logo
  • २०८२ पुष ३० | Wed, 14 Jan 2026
  • निर्वाचनक लेल ६४ राजनीतिक दल दर्ता

    निर्वाचनक लेल ६४ राजनीतिक दल दर्ता

    काठमाण्डू, ९ अगहनः अइगला फागुन २१ गतेके लेल निर्धारण कएल गेल प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक लेल अखनधैर जमा ६४ राजनीतिक दल दर्ता भेल अइछ । निर्वाचन आयोगक अनुसार रैबदिनधैर ५६ राजनीतिक दल दर्ता भेल छल । सोमदिन आओर आठ दल दर्ता भेलाक बाद जमा राजनीतिक दल दर्ताके सङ्ख्या ६४ भेल आयोग जनौलक अइछ ।

    आयोगद्वारा इएह अगहन १० गतेधैर प्रतिनिधि सभा निर्वाचनमे भाग लेबाक लेल इच्छुक राजनीतिक दलकेँ दर्ताक लेल समयसीमा निर्धारण कएल गेल अइछ । आयोगक अनुसार इएह अगहन १ गते १२, अगहन २ गते पाँच, अगहन ३ गते आठ, ४ गते आठ, ५ गते सात, ७ गते १६ राजनीतिक दल दर्ता भेल छल ।

    सोमदिन नागरिक शक्ति नेपाल, नागरिक उन्मुक्ति पार्टी, मितेरी पार्टी नेपाल, प्रगतिशील समाजवादी पार्टी, नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी), तराई–मधेश लोकतान्त्रिक पार्टी, राष्ट्रिय समुन्नति पार्टी, जनादेश पार्टी, नेपाल दर्ता भेल अइछ ।

    आयोगमे जमा १ सओ ३५ राजनीतिक दल दर्ता भेलमे निर्वाचन प्रयोजनक लेल बुधदिनधैर फेरसँ आवेदन देबाक लेल समय निर्धारण कएल गेल आयोग जनौने अइछ ।

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ मंसिर ९, मंगलवार १९:४४
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP