logo
  • २०८२ फाल्गुन २७ | Wed, 11 Mar 2026
  • सुनसरीमे दू मोटरसाइकल ठोकर देलासँ ४९ वर्षीय पुरुषके मृत्यु

    सुनसरीमे दू मोटरसाइकल ठोकर देलासँ ४९ वर्षीय पुरुषके मृत्यु

    इटहरी (सुनसरी), २ फागुनः सुनसरीके दुहबी–८ स्थित जुटमिल आगू कोशी राजमार्गमे दू मोटरसाइकल एकआपसमे ठोकर देलासँ एक व्यक्तिके मृत्यु भेल अइछ । शुक्रदिन साँझ भेल दुर्घटनामे मोटरसाइकलके पाछू सवार ४९ वर्षीय तीर्थनारायण यादवके मृत्यु भेल प्रहरी जनौलक अइछ ।

    सप्तरीके फुलहारा–३ घर भेल यादव हाल इटहरी–१३ मे रहल रिलायन्स फ्याक्ट्रीके क्वाटरमे रहैत आएल छल । गम्भीर घायल अवस्थामे इलाजक लेल विराट मेडिकल कलेज टिचिङ अस्पताल पहुँचाएल गेल छल। जाँचके बाद हुनका मृत घोषणा कएने छल ।

    जिला प्रहरी कार्यालय सुनसरीक प्रवक्ता चन्द्र खड्का अनुसार लोहा फ्याक्ट्रीसँ कोशी राजमार्गसँ दुहबीदिस आइब रहलके २७ प ८१३४ नंं. मोटरसाइकल आ खनारसँ दुहबीदिस आइब रहल प्र १–०२–०५२ प ३०५९ नं.के मोटरसाइकल एकआपसमे ठोकर देने छल। दुर्घटनामे संलग्न दुनु मोटरसाइकल प्रहरी नियन्त्रणमे लेने अइछ ।

    को २७ प ८१३४ नं. के मोटरसाइकल चालक दुहबी–८ निवासी ४५ वर्षीय सुमन राई आ प्र १–०२–०५२ प ३०५९ नं क चालक सप्तरी रुपनी गाउँपालिका–३ घर रहल हाल इटहरी–१३ निवासी ४७ वर्षीय जयनारायण साहकेँ इलाका प्रहरी कार्यालय दुहबी नियन्त्रणमे लेल गेल जनौलक अइछ । घटनाबारे आओर अनुसन्धान भ रहल प्रहरी जनौलक अइछ ।रासस

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    1
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    3



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ फाल्गुन २, शनिबार १५:२३
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP