logo
  • २०८२ फाल्गुन २६ | Tue, 10 Mar 2026
  • सरकारद्वारा विशेष आर्थिक क्षेत्र मापदण्ड खारेज

    सरकारद्वारा विशेष आर्थिक क्षेत्र मापदण्ड खारेज

    काठमाण्डू, ८ अगहनः नेपाल सरकार भैरहवास्थित विशेष आर्थिक क्षेत्र संचालन मापदण्ड तथा कार्यविधि, २०७१ खारेज करबाक निर्णय केलक अइछ । आइ भेल मन्त्रिपरिषद् बैसारसँ विशेष आर्थिक क्षेत्रके मासिक भाड़ादर प्रतिवर्गमिटर २० टकासँ घटा क ५ टका कायम करबाक निर्णय कएल गेल शिक्षा, विज्ञान तथा प्रविधि मन्त्री महाविर पुन जानकारी देलैन ।

    बैसारसँ युरोपियन युनियनके ‘ग्रीन एण्ड रिलाइबल इनर्जी फर इकोनोमिक प्रोस्परिटी इन नेपाल’ परियोजनाक लेल २३ दशमलव ५८ मिलियन युरो बराबरके सहयोग स्वीकार करबाक निर्णय सेहो कएल गेल अइछ ।

    तहिना, सरकारद्वारा विद्युत् नियमन आयोगकेँ ‘साउथ एसिया फर इन्फ्रास्टक्चर रेगुलेशन’क सदस्यता लेबाक लेल स्वीकृति प्रदान कएल गेल मन्त्री पुन बतौलैन ।

    नेपाल प्रहरीके हाल कायम भेल स्वीकृत दरबन्दी भीतर किछके पद मिलान तथा दरबन्दी बढ़ेबाक/घटेबाक लेल सेहो बैसारसँ स्वीकृति देल गेल अइछ ।

    अइ लेल संगठन तथा व्यवस्थापन सर्वेक्षण समिति गठन क काज सुरु कएल जेबाक निर्णय भेल अइछ ।

    बितल भादब २३ आ २४ के जेनजी आन्दोलनक घायल भेल व्यक्तिसभक इलाज तथा राहतक व्यवस्था करबाक, सरकारद्वारा संचालनमे भेल सहायता कक्षमे सह–सचिव तथा उप–सचिवबाहेक १० गोटे स्वयंसेवक खटेबाक आ ओकरासभकेँ चाइर महिनाधैर मासिक १५ हजार टकाके हिसाबसँ नास्ता खर्च उपलब्ध करेबाक निर्णय सेहो बैसारसँ कएल गेल अइछ ।

    बैसारसँ प्रहरी नायब महानिरीक्षक ईश्वर कार्कीकेँ प्रहरी अतिरिक्त महानिरीक्षकमे बढुवा करबाक निर्णय कएल गेल अइछ, तँ ‘भूमिसम्बन्धी अध्यादेश, ९म संशोधन २०२२’ जारी करबाक लेल राष्ट्रपतिसमक्ष सिफारिस करबाक निर्णय सेहो भेल अइछ ।

    आर्थिक वर्ष २०८२/८३ मे वन तथा वातावरण मन्त्रालयअन्तर्गत संचालन होएबला संरक्षित क्षेत्र तथा जैविक मार्गके एकीकृत भू–परिधि आयोजनालगायतक कार्यक्रमके लेल अधिकृत तहके ३७ दरबन्दी स्वीकृत करबाक निर्णय सेहो कएल गेल अइछ ।रासस

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ मंसिर ८, सोमबार २०:०१
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP