logo
  • २०८२ फाल्गुन २६ | Tue, 10 Mar 2026
  • निर्वाचनमे सुरक्षाके जिमेवारी पूरा करबाक लेल सेनाकेँ निर्देशन

    निर्वाचनमे सुरक्षाके जिमेवारी पूरा करबाक लेल सेनाकेँ निर्देशन

     

    काठमाण्डू, १२ अगहनः प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की देशमे शान्तिसुरक्षा बहाल क अगिला फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधिसभा सदस्यके निर्वाचन सफलतापूर्वक सम्पन करबाक लेल नेपाली सेनाक महत्वपूर्ण भूमिका रहल बताैलैन अइछ ।
    आइ भद्रकालीस्थित नेपाली सेनाक मुख्यालयके निरीक्षणके क्रममे प्रधानमन्त्री कार्की सरकारकेँ प्राप्त जिमेवारीबमोजिम शान्तिसुरक्षाके प्रत्याभूतिसहित घोषित मितिमे स्वतन्त्र, निष्पक्ष आ भयरहित वातावरणमे निर्वाचन सम्पन्न क राष्ट्रिय जिम्मेवारी पूरा करबाक अभियानमे सेनाक प्रमुख भूमिका रहल स्पष्ट केलैन । गौरवमय इतिहास भेल नेपाली सेना निर्वाचन सुरक्षाक क्रममे अइसँ पहिने जकाँ प्राप्त जिमेवारी सफलतापूर्वक पूरा करबाक विश्वास व्यक्त केलैन । “जनताकेँ सुरक्षाक प्रत्याभूति दिएबाक, प्रहरी कारबाहीकेँ सहजीकरण, सहयोग आ सुरक्षित करब तथा सब दलके राजनीतिक गतिविधिकेँ बिना अवरोध सञ्चालन करबाक वातावरण बनेबाक लेल स्पष्ट कार्ययोजनासहित आगू बढबाक निर्देशन दैत छी”, प्रधानमन्त्री कहलैन ।
    अगिला निर्वाचनक क्रममे नागरिकके जान जाएबला आ घायल होएबला अवस्था नै अएबापर जोड़ दैत प्रधानमन्त्री अइसँ पहिनुकवा चुनावके सेहो अनुभव आ आसन्न चुनावके विविध आयामसँ विश्लेषण क सुरक्षा संवेदनशीलताक आधारमे सब सुरक्षा निकायसङे समन्वय क त्रुटिरहित ढङ्ग काज करए लेल निर्देशन देलैन।
    प्रधानमन्त्री जेनजी आन्दोलनक क्रममे लुटल गेल आ हराएल हातहतियारके खोजतलास सहित नियन्त्रणमे लेबाक लेल प्रहरीसहित सुरक्षा निकायसँ सहकार्य, देशमे शान्ति सुरक्षा सुनिश्चितता तथा भागल अपराधीके गिरफ्तारीमे खटल प्रहरीकेँ सहयोग करबाक सेहो निर्देशन देलैन ।
    जङ्गी अड्डा निरीक्षणके क्रममे प्रधानमन्त्री कार्कीकेँ निर्वाचन सुरक्षा तैयारीबारे जानकारी देल गेल। तहिना सेना हालके सुरक्षा अवस्था, प्रमुख चुनौती आ अगिला योजनाबारे ‘ब्रिफिङ’ कएल प्रधानमन्त्रीके सचिवालय जनौलक अइछ।
    निर्वाचन सुरक्षामे सेना परिचालनके योजना आ ढाँचाबारे सेहो प्रस्तुतीकरण देने छल । प्रधानमन्त्रीसहित भ्रमण टोलीमे संलग्न विश्ष्टि पदाधिकारीसभकेँ प्रधानसेनापति अशोकराज सिग्देल स्वागत कएने छल ।
    निरीक्षण भ्रमण टोलीमे गृहमन्त्री ओमप्रकाश अर्याल, कानुन, न्याय तथा संसदीय मामिलामन्त्री अनिल कुमार सिन्हा, मुख्यसचिव सुमनराज अर्यालसहित विश्ष्टि अधिकारीके उपस्थिति छल ।रासस
    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ मंसिर १२, शुक्रबार २०:१६
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP