logo
  • २०८२ पुष ३० | Wed, 14 Jan 2026
  • प्रतिनिधिसभा निर्वाचन ६१ दिन बाँकी : आयोगद्वारा उम्मेदवारकेँ खर्चके सीमानिर्धारण

    प्रतिनिधिसभा निर्वाचन ६१ दिन बाँकी : आयोगद्वारा उम्मेदवारकेँ खर्चके सीमानिर्धारण

    काठमाण्डू। अगिला फागुन २१ गतेक लेल तय भेल प्रतिनिधिसभा सदस्यके निर्वाचनमे विभिन्न २६ निर्वाचन क्षेत्रका उम्मेदवार मात्रे अधिकतम ३३ लाख टका खर्च कएल जा सकैत अइछ ।

    निर्वाचन आयोगक अनुसार ताप्लेजुङ, पाँचथर, सङ्खुवासभा, सोलुखुम्बु, खोटाङ, दोलखा आ रामेछापमे सबसँ बेसी खर्च क सकैत छैथ ।

    तहिना काभ्रेपलान्चोकके दुटा निर्वाचन क्षेत्र, मकवानपुरके दू, गोरखाके एक, लम्जुङके एक, अर्घाखाँची, रोल्पा, प्यूठान, दाङके एक, बर्दियाक दू, सल्यान, डोल्पा, हुम्ला, जाजरकोट, बझाङ, डोटी आ बैतडीके उम्मेदवार मात्रे ३३ लाख टका बराबरके खच क सकत। भौगोलिक विकटताके आधारमे खर्चके सीमा आन ठामसँ बेसी राखल गेल आयोग जनौलक अइछ ।

    आयोग सुगम जिलाक निर्वाचन क्षेत्रमे न्यूनतम २५ लाख टका बराबर मात्रे खर्च क सकबाक व्यवस्था केलक अइछ । पाँच टा निर्वाचन क्षेत्रके उम्मेदवार मात्रे सबसँ कम खर्च क सकबाक व्यवस्था कएल गेल अइछ । जाहिमे काठमाण्डू १, ३, ६, ७ आ ८ नं निर्वाचन क्षेत्र पड़ल अइछ ।

    तहिना तेह्रथुम, पर्सा १, २ आ ३, रसुवा काठमाण्डू २, ४, ५, ९, १०, ललितपुर १ आ २ मनाङ, कास्की २ आ रुकुम पूर्वके उम्मेदवार २७ लाख टका खर्च क सकैत छैथ । एहिने , ६५ निर्वाचन क्षेत्रक उम्मेदवार २९ लाख टका खर्च क सकैत छैथ ।

    तहिना, ५२ निर्वाचन क्षेत्रक उम्मेदवार ३१ लाख चुनावी खर्च क सकैत छैथ । आयोग अइबेर बैंक तथा वित्तीय संस्थामे खाता निर्वाचन खर्च करबाक व्यवस्था केलक अइछ ।रासस

    विज्ञापन

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ पुष १९, शनिबार ११:५१
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP