logo
  • २०८२ पुष २९ | Tue, 13 Jan 2026
  • कमजोरी सुधार करैत देशक समृद्धिक लेल एकाकार होएब जरुरी

    कमजोरी सुधार करैत देशक समृद्धिक लेल एकाकार होएब जरुरी

    राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)

    काठमाण्डू, २९ पुसः नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी (नेकपा)क संयोजक पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ मुख्य राजनीतिक दलसभ अपन कमीकमजाेरी सुधार करैत देशक समृद्धिक लेल एकाकार हाेबाक जरुरी रहल बताैलैन अइछ ।

    पार्टी कार्यालय पेरिसडाँडामे आइ आयोजित केन्द्रीय सदस्यके शपथ ग्रहण समारोहकेँ सम्बोधन करैत ओ राष्ट्रकेँ आओर एकताबद्ध, राष्ट्रिय एकता आ राष्ट्रिय स्वाधीनताकेँ सुदृढ करए लेल नयाँ सङ्कल्पसहित पहलकदमी लेब आवश्यक रहल कहलैन। ओ कहलैन, “सब ठिके चइल रहल छै से परम्परागत तरिकासँ देशमे उत्पन्न परिस्थितिके सामना नै भ सकैत छै।

    राष्ट्र जे सङ्कटसँ ग्रस्त छै, एकरा आओर एकताबद्ध, राष्ट्रिय स्वाधीनताकेँ सुदृढ करए लेल नितान्त नयाँ सङ्कल्पसहित पहलकदमी लेबाक जरूरी छै से निष्कर्षसँ हमरासभ पार्टी एकता प्रक्रियाकेँ आगू बढ़ौने छी ।” संयोजक दाहाल देशमे उत्पन्न असाधारण परिस्थितिके सामना करबाक लेल नेपालके इतिहासमे पहिल बेर एके ठाँम २० टा कम्युनिष्ट आ समाजवादी घटककेँ एकताबद्ध भेल उल्लेख केलैन ।

    “पार्टी एकताके प्रक्रिया दिन प्रतिदिन आगू बइढ़ रहल छै । खाली घटक सङ्गठन मात्रे नै देशकेँ प्रेम केनिहार बहुते व्यक्तित्वसभ सेहो जुइट रहल अइछ । जेनजी पुस्ताकेँ माँग सुशासन कायम करैत भ्रष्टाचारमुक्त देश बनेबाक लेल आब सबकियाे प्रतिबद्ध भ क लागब।”

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ पुष २९, मंगलवार २०:१६
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP