logo
  • २०८२ कार्तिक २८ | Fri, 14 Nov 2025
  • सप्तरी-उदयपुर सड़कके नयाँ ट्रयाक खोजल जाइत

    सप्तरी-उदयपुर सड़कके नयाँ ट्रयाक खोजल जाइत

    लोकेन्द्र प्रसाद यादव
    राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)
    गोलबजार (सिरहा), २४ जेठ: सड़क डिभिजन कार्यालय लहानद्वारा सप्तरीक कल्याणपुर बजारसँ उदयपुरक मोतीगढा गाईघाटधैर नवीन सड़कके ट्रयाक तीव्र गतिसँ खोलल जाइत अइछ। लगभग १७ किलोमीटर लम्बा सड़क पूर्व–पश्चिम राजमार्गसँ चुरे पहाड़़ पार करैत गाईघाटधैर पहुँचत।

    सड़क सुरू भेलासँ दुनु दिश व्यवसायपर प्रभाव पड़त, एहन व्यापारी सभक धारणा अइछ। स्थानीय व्यापारी राजेश यादव कहलैन, “रस्ता खुजलासँ ढुवानीक समस्या समाप्त भ जाएत । पहाड़़क उत्पादन तराई आ तराईके सामान पहाड़़ पठेनाइ सहज भ जाएत ।”

    युवा तथा खेलकुद विकास मन्त्री आ सप्तरी क्षेत्र नम्बर ४के सङ्घीय सांसद तेजुलाल चौधरी बितल शुक्रदिन सड़क निर्माण कार्यक शिलान्यास कएलैन। ओ कहलैन, “शहरीकरणक कारण जनघनत्व बइढ़ रहल अइछ, ताहि कारण सवारीसाधन चलयमे सहजताक लेल नवीन ट्रयाक खोलल जा रहल अइछ।”

    मन्त्री चौधरी कहलैन, “कल्याणपुर बजार पहाड़़सँ तराई आबैवला लेल एकटा नीक गन्तव्य बनत। स्थानीय लोक अपन व्यापार आ कृषि उत्पादनक सामग्री सहजतासँ ओसाइर अपन आमदनी बढ़ा सकत।”

    चालू आर्थिक वर्षमे सङ्घीय सरकारद्वारा विनियोजित ८ करोड़ ४५ लाख २० हजार ८५० रुपैयाक बजेटसँ ‘मिसन कन्ट्रक्सन एण्ड स्पलार्अइ प्रा.लि’ काठमाण्डू सङ ४ करोड़ ४० लाख ९ हजार ४३९ टका (भ्याट सहित)के ठिक्का सम्झौता कएने अइछ। वि.सं. २०८२ सालक वैशाख २५ गते सम्झौता भेल आ अखार ३० गतेधैर काज पूरा करबाक लक्ष्य राखल गेल जानकारी सड़क डिभिजन कार्यालयक इञ्जिनीयर चन्द्रकान्त चौधरी देलैन।

    ओ कहलैन, “सड़कमे आएल गाछी काटैके स्वीकृति वन कार्यालयद्वारा समयमे नै भेटलाक कारण निर्माण कार्यमे देरी भेल। हाल स्वीकृति भेटलाक बाद काज तेजीसँ भ रहल अइछ।”

    मिसन कन्ट्रक्सन एण्ड स्पलार्अइ प्रालिक प्रतिनिधि इञ्जिनियर सुरेन्द्र जैसवालके अनुसार, १० मिटर चौड़ाइक सड़कके ट्रयाक खोलल जा रहल अइछ। ओ कहलैन, “हमरासभद्वारा तीव्र गतिसँ ट्रयाक खोलबाक काज भ रहल अइछ। मौसम सहयोगी रहल तँ समयपर काज पूरा क लेब।” रासस

     

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    1
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ जेष्ठ २४, शनिबार १८:०५
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    ताजा अपडेट
    TOP