logo
  • २०८२ फाल्गुन २८ | Thu, 12 Mar 2026
  • आयल निगम गण्डकी प्रदेश प्रमुखपर भ्रष्टाचारक मुद्दा

    आयल निगम गण्डकी प्रदेश प्रमुखपर भ्रष्टाचारक मुद्दा

    काठमाण्डूः अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगद्वारा नेपाल आयल निगम गण्डकी प्रादेशिक कार्यालय, कास्की प्रमुख चित्तरञ्जन दाससहितक विरुद्ध भ्रष्टाचार अभियोगमे विशेष अदालत काठमाण्डूमे मुद्दा दायर कएल गेल अइछ। मेलमिलापमे बिलमे उल्लिखित मात्रासँ बेसी पेट्रोलियम पदार्थ (डिजेल) पठाएल गेल रहबाक उजुरी प्राप्त भेलाक बाद अनुसन्धान कएल गेल आ तकर आधारपर मुद्दा दायर कएल गेल अइछ, आयोगक प्रवक्ता राजेन्द्र कुमार पौडेलद्वारा जारी विज्ञप्तिमे उल्लेख अइछ। पेट्रोलियम पदार्थक डिप आ सिल करबाक जिमेवारी रहल डिलर्स एसोसिएसनके प्रतिनिधि जगन्नाथ ढुंगेल आ लक्ष्मण रानाभाटसँ मिल क, सिसी क्यामेरा बन्द क बेसी डिजेल पठाएल गेल से अख्तियारक कहब अइछ। जाहिमे ट्याङ्करद्वारा १२ हजार लिटर डिजेल पठेबाक छल, ताहिमे १५ हजार ३८ लिटर डिजेल पठाएल गेल बात सार्वजनिक भेल अइछ। ओहि ट्याङ्करकेँ पोखरा महानगरपालिका–२७मे नियन्त्रणमे लेल गेल छल। बिलमे उल्लेखित मात्रासँ ३ हजार ३८ लिटर बेसी डिजेल पठाएल गेल छल, जाहिकेँ प्रतिलिटर मूल्य १४७ टका अनुसार कुल चाइर लाख ४८ हजार ५२५ टकाके हिनामिना भेल, आयोगक दाबी अइछ। आयोगद्वारा प्रमुख चित्तरञ्जन दास, पश्चिमाञ्चल ट्रेडर्सके सञ्चालक बाबुराम जमरकट्टेल, गण्डकी धौलेलरि पेट्रोलियम एसोसिएसनक तत्कालीन प्रतिनिधि ढुंगाना आ रानाभाट सङे ट्याङ्कर चालक निर्मला थापाक विरुद्ध जनही चाइर लाख ४८ हजार ५२५ टकाके बिगो दाबी कएल गेल अइछ।

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ जेष्ठ २५, आईतवार २२:०२
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP