logo
  • २०८२ आश्विन २८ | Tue, 14 Oct 2025
  • रौतहटमे लुटपाटमे संलग्न लुटेरा गिरफ्तार, भागल लुटेराक खोज जारी

    रौतहटमे लुटपाटमे संलग्न लुटेरा गिरफ्तार, भागल लुटेराक खोज जारी

    रौतहट, २८ जेठ: रौतहट प्रहरी लुटपाटमे संलग्न रौतहट जिला यमुनामाई गाउँपालिका–१ जेठरहीया झाझपुल स्थायीबासी २२ वर्षीय मुकेश महतो आ २० वर्षीय सीताराम महतोके गिरफ्तार कएलक अइछ। आइ भोर झाझपुल लगमे नुकाएल ठामसँ ओ लुटपाटमे संलग्न अवस्थामे रौतहट दुर्गाभगवती गाउँपालिका–३ मत्सरीक ३५ वर्षीय कृष्णमणि झाके लुइट रहल अवस्थामे पकड़ाएल जिला प्रहरी कार्यालय रौतहटक प्रहरी प्रमुख नेत्रमणि गिरी जानकारी देलैन। प्रहरी अनुसार झाझपुलके लगमे लुटपाट करबाक उद्देश्यसँ नुकाएल सात-आठ गोटे अपरिचित व्यक्तिसभ मोटरसाइकलमे सवार झाकेँ रोइक हुनकर धनमाल लुटबाक प्रयास क रहल छल आ मोटरसाइकल ल जेबाक प्रयास करैत छल। ओहि समयमे प्रहरीद्वारा दुनुके गिरफ्तार कएलक अइछ, बाकी संलग्न पेसेवर लुटेरा भाइग गेल छै, जेकरा खोजबाक कार्य तीव्र गतिकेँ जारी रहल प्रहरी प्रमुख गिरी जानकारी देलैन। प्रहरी कहलैन जे पहिनो ओहि क्षेत्रमे लुटेरा समूह धनमाल लुटबाक आ स्थानीयके पीड़ा देबाक काज करैत छल आ आपराधिक गतिविधि करैत छल। एहि सूचनाक आधारमे ओहि क्षेत्रमे सुरक्षा गस्ती बढ़ा देल गेल अइछ।

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ जेष्ठ २८, बुधबार २२:४७
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP