काठमाण्डू। अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग तिलाठी कोईलाडी गाउँपालिकाके विभिन्न निर्माणके ठिक्काके विज्ञापन प्रकाशनके सम्बन्धमे अनियमितता कएने अभियोगमे तत्कालीन प्रमुख प्रशासकीय अधिकृतसहित विभिन्न विज्ञापन एजेन्सीक सञ्चालकविरुद्ध मुद्दा दायर केलक अइछ ।
सो गाउँपालिकके आर्थिक वर्ष २०७९/८० मे विभिन्न चाइर टा बोलपत्रके आह्वान आ खरिद आशयके सूचना सार्वजनिक खरिद ऐन अनुसार राष्ट्रिय स्तरके दैनिक पत्रिकामे प्रकाशन करबाक चाही छल ।
बोलपत्र आह्वानके सूचना नुकेबाक उद्देश्यसँ सार्वजनिक रुपमे प्रकाशन नै क बोलपत्र स्वीकृत करबाक आशयके सूचना एकप्रति मात्रे प्रकाशित कएने भेटल आयोगके आरोप अइछ ।
आयोग उक्त गाउँपालिकके तत्कालीन प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत सुरेन्द्र कुमार यादव, सहलेखापाल शत्रोहन दास, टाइम्स रिपब्लिक मिडियाक संस्थापक भूषण कुमार सिंह, डच मिडियाके निर्देशक रवि अर्याल, प्रभाव दैनिकके कृष्णबहादुर कार्कीविरुद्ध तीन लाख १६ हजार चाइर सओ टका बराबरके बिगो मांग दाबी केलक अइछ ।
आयोगके अनुसार प्रेस काउन्सिल नेपाल २०७९ चैत २३ गतेके पत्र अनुसार ओइ बोलपत्रके सूचना प्रकाशित नै भेल भेटल अइछ। खरिद आशयके सूचना सार्वजनिक तवरमे वितरण प्रयोजनार्थ प्रकाशिते नै भेल देखाएल अइछ ।
पत्रिका व्यवस्थापन प्रणालीके पिडिएफ अभिलेखमे समेत कोनो सूचना प्रकाशित भेल नै देखल गेल आयोगके ठहर अइछ । बोलपत्र आह्वानके सूचना सौर्य दैनिकमे एक–एक प्रति मात्रे प्रकाशन कराएल गेल, प्रेस काउन्सिलमे बुझाएल गेल विवरणमे सेहो उल्लेख नै भेल, पिडिएफमे सेहो नै भेटल आयोगके आरोप अइछ ।
सार्वजनिक तवरमे वितरण करबाक हिसाबे एक–एक प्रति प्रकाशित क बदनियत राखने भेटल आयोगके ठहर अइछ । आयोगक प्रवक्ता राजेन्द्र कुमार पौडेल पाँच गोटेविरुद्ध कैद आ बिगो असुल उपरके मांग दाबी क मङ्गलदिन विशेष अदालतमे मुद्दा दायर कएल गेल जानकारी देलैन अइछ ।रासस
प्रतिक्रिया