logo
  • २०८२ पुष ४ | Fri, 19 Dec 2025
  • कोनो बखत, जोखिम आइब सकैत छै, तैयार रहू : गृहमन्त्री लेखक

    कोनो बखत, जोखिम आइब सकैत छै, तैयार रहू : गृहमन्त्री लेखक

    काठमाण्डूः गृहमन्त्री रमेश लेखक नेपाल प्रहरीकेँ विपद् जोखिम न्यूनीकरण तथा व्यवस्थापनमे “कोनो बखत, जोखिम आइब सकैत छै” से मानसिकतासँ तैयार रहबाक निर्देशन देलैन। आइ सामाखुशी स्थित नेपाल प्रहरीक विपद व्यवस्थापन कार्यालयक निरीक्षणक क्रममे ओ एहन निर्देशन देलैन। ओ कहलैन, “कोनो बखत जोखिम आइब सकैत छै। ओहि मानसिकतासँ तैयार रहबाक आवश्यकता छै। मनसुनजन्य विपद्क पूर्वानुमान तँ होइछै, मुदा भूकम्प आ आइगलगिके पूर्वानुमान नै होइछै। अपनासभ मनसुनके पूर्वसन्ध्यामे छी। मनसुन सक्रिय भेलाक बाद बाइढ़ आ भुस्खलन आइब सकैत अइछ। ताहिसँ पूर्वतैयारीमे तैयार रहब आवश्यक अइछ।“ गृहमन्त्री लेखक कहलैन जे विपद्क व्यवस्थापन नेपालक जिमेवारी छी आ चौबीसो घण्टा तैयार रहबाक निर्देशन देलैन। ओ कहलैन, “विपद्क जोखिम न्यूनीकरण आ व्यवस्थापन नेपाल प्रहरीक जिमेवारी छी से कानूनी रूपसँ उल्लेख अइछ। नेपाल प्रहरीक उपस्थिति नागरिक स्तरपर बहुत पैघ अइछ। लोकके बीचमे प्रहरीप्रति आश आ विश्वास बइढ़ रहल छै। विपद्के समयमे लोक सबसे पहिने प्रहरीकेँ खोजैत छै। हमरासभकेँ जनताके भावनाकेँ सेवा भावसँ सम्बोधन करबाक चाही।“ गृहमन्त्री लेखकक अनुसार वर्तमान समयमे बाइढ़, भुस्खलन आ डुबानक जोखिम न्यूनीकरण आ व्यवस्थापनमे तैयार अवस्था जरूरी अइछ। ओ कहलैन, “समयेमे पूर्वसूचना देब आ उद्दारक लेल तैयार रहब जरूरी अइछ। जेठ २८ गतेसँ मनसुन सक्रिय होएबाक अनुमान अइछ।“ ओ एहो जानकारी देलैन जे एहि वर्ष नेपाल प्रहरीक बजेट पहिनेसँ बढ़ा देल गेलै, जाहिसँ तलब, पहिरन आ महँगी भत्तामे कोनो समस्या नै होएत। तेँ नेपाल प्रहरीक ऐन संशोधनक विषयमे संघीय संसद्क राज्यव्यवस्था तथा सुशासन समितिमे जल्दिए बातचित सुरू होएत।रासस

     

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ जेष्ठ २१, बुधबार २३:०५
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    ताजा अपडेट
    TOP