logo
  • २०८२ माघ १३ | Tue, 27 Jan 2026
  • आइ विश्व वातावरण दिवस

    आइ विश्व वातावरण दिवस

    राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)

    काठमाण्डू:आइ ५ जुन अर्थात विश्व वातावरण दिवस छी । ‘प्लास्टिक प्रदूषण न्यूनीकरणः हमर दायित्व’ नाराक सङ विश्वक विभिन्न देशसभमे ई दिवस मनाएल जा रहल अइछ । संयुक्त राष्ट्रसंघक आह्वान अनुसार सन् १९७३सँ प्रतिवर्ष ५ जुनके विश्व वातावरण दिवसक रूपमे मनाएल जाए लागल छल । आइ दक्षिण कोरियामे विशेष कार्यक्रमक सङ ई दिवस मनाएल जाएत संयुक्त राष्ट्रसंघ जनौने अइछ । राष्ट्रसंघक अनुसार प्रतिवर्ष पृथ्वीपर ४० करोड़ टन प्लास्टिकजन्य फोहोर उत्पादन होइत अइछ, जाहिमेसँ मात्र १० प्रतिशत फोहोर पुनः उपयोग होइत अइछ तथा १ करोड़ १० लाख टन प्लास्टिक नदी, पोखरि आ समुद्रमे फेकल जाएत अइछ । आइ गैरकानूनी रूपसँ माछ मारनाइ विरुद्धके संघर्ष दिवस सेहो छी । राष्ट्रसंघीय खाद्य तथा कृषि संगठन (एफएओ)क आह्वानपर सन् २०१७सँ ई दिवस मनाएल जाए लागल अइछ । दीर्घकालिन विकासक लक्ष्य प्राप्त करबाक लेल गैरकानूनी माछा मारबाक प्रवृत्ति समाप्त होएबाक चाही एफएओ जोड़ देने अइछ । एफएओक अनुसार प्रतिवर्ष १ करोड़ १० लाखसँ ल  क २ करोड़ ६० लाख टन माछ मारल जाइत छै, जाहिसँ अरबौँ डलरक क्षति होइत अइछ ।

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ जेष्ठ २२, बिहीबार १२:०३
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP