logo
  • २०८२ पुष ४ | Fri, 19 Dec 2025
  • बकर इदसँ आपसी भाइचारा आ समानताके सन्देश फैलैत छै : राष्ट्रपति पौडेल

    बकर इदसँ आपसी भाइचारा आ समानताके सन्देश फैलैत छै : राष्ट्रपति पौडेल

    काठमाण्डू: राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल इद उल अज्हा (बकर इद) पावैन आपसी विविधताक बीच एकताक माध्यम बइन राष्ट्रीय भावनाक गहिराइ बढ़ाबैत भाइचारा आ समानताक सन्देश प्रसारित करबामे मदत क रहल विश्वास व्यक्त कएलैन अइछ। मुस्लिम समुदायक पवित्र पावैन इद उल अज्हा (बकर इद)क अवसरमे राष्ट्रपति पौडेल स्वदेश आ विदेशमे रइह रहल सम्पूर्ण नेपाली दिदी–बहिन तथा भाइसभकेँ सुख, शान्ति आ समृद्धिक हार्दिक शुभकामना व्यक्त कएलैन। राष्ट्रपतिद्वारा कहल गेल अइछ, “विश्वास, समर्पण आ समाजसेवाक सन्देश देनिहार एहन पर्वसभसँ विश्वक विभिन्न स्थानमे रहल नेपालीबीच धार्मिक आ सांस्कृतिक विविधता रहितो आपसी सद्भाव, सहिष्णुता, मेलमिलाप, एकता, भ्रातृत्व आ सहअस्तित्वक आधारपर अपन मौलिक संस्कृति आ परम्पराक संरक्षण, संवर्द्धन आ विकास होएत, एहन अपेक्षा राखल अइछ।” ओ इद उल अज्हा (बकर इद)क माध्यमसँ सम्पूर्ण नेपालीबीच राष्ट्रिय एकता, सहिष्णुता आ सद्भावक स्थापन होए आ समृद्ध आ उन्नत समाज निर्माण लेल प्रेरणा भेटए, से शुभकामना राष्ट्रपति पौडेल व्यक्त कएलैन।रासस

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ जेष्ठ २४, शनिबार १२:०२
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    ताजा अपडेट
    TOP