logo
  • २०८२ माघ ४ | Sun, 18 Jan 2026
  • ‘डाइभर्सन’केँ बहेलासँ पूर्वपश्चिम राजमार्ग अवरुद्ध

    ‘डाइभर्सन’केँ बहेलासँ पूर्वपश्चिम राजमार्ग अवरुद्ध

    त्रिवेणी (नवलपरासी),: पूर्वपश्चिम राजमार्गअन्तर्गत नवलपरासी (बर्दघाट सुस्तापूर्व) नवलपुरके दुम्किवासमे ‘डाइभर्सन’केँ बहेलासँ राजमार्ग अवरुद्ध भेल अइछ । आइ भोरमे आएल बाइढ़मे डाइभर्सन बइह गेलासँ राजमार्ग अवरुद्ध भेल जिला प्रहरी कार्यालयक प्रहरी नायब उपरीक्षक मधु नेपाल राससकेँ बतौलैन । बाइढ़ कम नै भेलासँ आवागमनक लेल तत्काल किछ कएल जाएवला अवस्था नै रहल ओ बतौलैन । डाइभर्सन बहलासँ छोटका तथा यात्रीवाहक सवारीकेँ होङ्सी गेट होइत सर्दीदिसके रस्तासँ सञ्चालन कएल गेल अइछ । एहिबीच, बुटवल–नारायणगढ सड़क विस्तार आयोजनाके सूचना अधिकारी शिव खनालके अनुसार नयाँ पुल ढलान भेल अइछ । अखारके दोसर सप्ताहसँ पुल सञ्चालन करबाक योजना अइछ ।

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ जेष्ठ २९, बिहीबार २३:३६
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP