logo
  • २०८२ फाल्गुन २६ | Tue, 10 Mar 2026
  • रासस तस्बिर प्रदर्शनीसँ पर्वतीय पर्यटनक सम्भावना देखाए दैत अइछ

    रासस तस्बिर प्रदर्शनीसँ पर्वतीय पर्यटनक सम्भावना देखाए दैत अइछ

     

    काठमाण्डू, ३० जेठ: प्रतिनिधिसभा, अन्तर्राष्ट्रीय सम्बन्ध तथा पर्यटन समितिक सभापति राजकिशोर यादव राससके तस्बिर प्रदर्शनीसँ पर्वतीय पर्यटनक व्यापक सम्भावनाक संकेत भेट रहल बतौलैन अइछ। अठारहम गणतन्त्र दिवसक अवसरमे राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)द्वारा आयोजित ‘पर्वतीय पर्यटनः हमर शान, हमर पहिचान’ विषयपर आधारित तस्बिर प्रदर्शनीक अवलोकन कएलाक बाद ओ विचार व्यक्त कएलैन। सभापति यादव कहलैन, “रासस एकटा ऐतिहासिक, महत्वपूर्ण आ विशेष रूपसँ नेपालक पर्यटकीय क्षेत्रसँ जुड़ल सम्भावनासभ झल्काबैबला तस्बिर प्रदर्शनी प्रस्तुत कएने अइछ। ई प्रदर्शनी केवल पर्यटन क्षेत्रधैर सीमित नै अइछ, बल्कि ई पर्यटनसँ जुड़ल सम्पदासभक प्रचार-प्रसार करबामे सेहो मदत करैत अइछ। एकर माध्यमसँ नेपालक प्राकृतिक सम्पदासँ भैरपूर्ण देश होएबाक सन्देश दैत समग्र विकासमे योगदान भेटैत अइछ।” ओ आगाँ कहलैन, “जे वर्ग मानैत छै जे नेपालमे सम्भावना नै अइछ, हुनका गहिराईसँ अध्ययन करबाक आवश्यकता अइछ। नेपाल प्रकृतिक दृष्टिसँ धनी देश अइछ आ एहिठाम बहुत रास सम्भावना अइछ। प्रदर्शनीमे राखल गेल तस्बिरसभ एकर ठोस प्रमाण देबैत अइछ।” जेठ ११ गतेसँ सुरू भेल एहि प्रदर्शनीमे नेपालक पूर्वसँ पश्चिमधैर फैलल विभिन्न हिमशृङ्खला, हिमाली जनजीवन आ प्रमुख पर्यटकीय गन्तव्यसभसँ सम्बन्धित ९६ तस्बिर राखल गेल अइछ।

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ जेष्ठ ३०, शुक्रबार १९:४८
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP