
वीरगञ्ज (पर्सा), ३१ जेठः उच्च अदालत जनकपुर, अस्थायी इजलास वीरगञ्जक न्यायाधीस उपर इजलास कक्षमे दुव्र्यवहार भेलाक बाद पर्सा प्रहरी अदालत परिसरमे सुरक्षा व्यवस्थाकेँ कड़ाइ कएलक अइछ । १४ टा न्यायाधीसके व्यक्तिगत सुरक्षामे खटल ‘पिएसओ’ आ अन्य सुरक्षाक’ लेल खटल सुरक्षाकर्मीसमेत परिवर्तन क सुरक्षा व्यवस्थाकेँ कड़ाइ कएलक अइछ । अइ ठाँमक न्यायाधीसद्वय डा खुशीप्रसाद थारु आ अर्जुन महर्जनउपर इजलास कक्षमे नेकपा (बहुमत)क तीन गोटे कार्यकर्ता वृहस्पैतदिन दुपहर करिब ४ बजेके समयमे इजलास कक्षेमे दुव्र्यवहार कएने छल । उक्त पार्टीके कार्यकर्ता कहल गेल सिरहा गोलबजारके गर्भु महतो, सर्लाही बरहथवाक पदमबहादुर मगर आ प्यूठानके किशोर कुमारकेँ प्रहरी अदालत परिसरसँ गिरफ्तार कएने छल । जिला प्रहरी कार्यालय पर्साक प्रमुख गौतम मिश्र न्यायाधीसद्वयउपर दुव्र्यवहार करैबला जिला अदालत पर्सामे म्याद बढ़ेबाक लेल शुक्रदिन पठाएल गेल अइछ जानकारी देलैन अइछ । “नास्ताके बाहना बना क अदालतभित्र घुसल हुनकासभ मौका देख क न्यायाधीसद्वयउपर दुव्र्यवहार कएने रहए,” ओ कहलैथ, “पकड़ाएल व्यक्तिकेँ शुक्रदिन अदालतमे म्याद बढ़ेबाक लेल पठौने छी ।” ओ दुव्र्यवहार करैबलाकेँ अदालतके मानहानी, साइबर क्राइम, अभद्र व्यवहारसहितके कसुरमे अनुसन्धान कएल जाएबला बतौलैन । अइसँ पहिने १४ टा न्यायाधीसके लेल एक–एक गोटे पिएसओ खटाबैत आइब रहल छल तँ अदालत परिसरमे एक दर्जन सुरक्षाकर्मी खटाएल गेल छल । प्रहरी प्रमुख मिश्र उक्त घटनाबाद अदालत परिसरमे सुरक्षा व्यवस्था कड़ाइ कएल गेल जानकारी देलैन अइछ । “विगत लम्बा समयसँ कार्यरत रहल १४ टा न्यायाधीसके ‘पिएसओ’केँ परिवर्तन क नयाँ पठौने छी” ओ कहलैथ, “अदालत परिसरके सुरक्षामे खटल प्रहरीके जनशक्ति सेहो बढा क सुरक्षाकेँ आओर मजबुत करेबाक भ रहल अइछ ।” रासस
प्रतिक्रिया