logo
  • २०८२ पुष ४ | Fri, 19 Dec 2025
  • प्रस्तावित न्यायाधीशक संसदीय सुनुवाइ प्रक्रिया प्रारम्भ

    प्रस्तावित न्यायाधीशक संसदीय सुनुवाइ प्रक्रिया प्रारम्भ

    काठमाण्डू, ३१ जेठः सङ्घीय संसद् सुनुवाइ समितिद्वारा सर्वोच्च अदालतमे प्रस्तावित तीन न्यायाधीश आ एक न्यायपरिषद् सदस्यक संसदीय सुनुवाइ प्रक्रिया आइसँ सुरू कएल गेल अइछ। समितिक आजुक बैसारमे वरिष्ठ अधिवक्ता मेघराज पोखरेल, उच्च अदालत जनकपुरक मुख्य न्यायाधीश श्रीकान्त पौडेल, उच्च अदालत दिपालयक मुख्य न्यायाधीश शान्ति सिंह थापा तथा न्यायपरिषद्क प्रस्तावित सदस्य महेश कुमार नेपालक संसदीय सुनुवाइ प्रक्रिया प्रारम्भ करबाक निर्णय कएल गेल अइछ। समितिद्वारा सार्वजनिक सूचना जारी क १० दिनक भीतर कोनो उजुरी वा शिकायत भेल तँ पठेबाक लेल आग्रह कएल गेल सभापति ईश्वरी न्यौपाने जानकारी देलक अइछ। ओ कहलैन, “संसदीय सुनुवाइ लेल पत्र प्राप्त भेल छल, ताहिमे प्रक्रिया अनुसार यदि कोनो उजुरी छै तँ से १० दिनक भीतर उपलब्ध करेबा क निर्णय लेल गेल अइछ।” उजुरी सीधा सचिवालय वा इमेलमार्फत पठाएल जा सकैत अइछ। प्राप्त उजुरीसभक पुष्टि करबाक लेल उजुरीकर्तासँ जानकारी लेल जाएत आ तकर बाद प्रस्तावित व्यक्तिक संसदीय सुनुवाइ कएल जाएत सभापति न्यौपाने जनौलक । सुनुवाइ क्रममे प्रस्तावित न्यायाधीश आ सदस्यसभ अपन कार्य योजना, सोच आ अवधारणा प्रस्तुत करथिन। समितिकेँद्वारा ओहि अवधारणासभकेँ उपयुक्त ठहर कएल गेलासँ नाम अनुमोदित होएत आ नियुक्तिक रस्ता खुलत। सर्वोच्च अदालतमे रिक्त पदक लेल न्यायपरिषद्द्वारा आ अगिला अखार १० गतेसँ रिक्त होएबला न्यायपरिषद् सदस्यक सिफारिश प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद् कार्यालयद्वारा कएल गेल जे संसद् सचिवालयकेँ पठाएल गेल छल। रासस

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ जेष्ठ ३१, शनिबार २३:४७
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    ताजा अपडेट
    TOP