सिरहा, ८ अखारः सिरहाक लहान नगरपालिका–१३ स्थित दलित बहुल क्षेत्रक जनता आधारभूत विद्यालयमे दु कोठा भवनक शिलान्यास कएल गेल अइछ।
नगरप्रमुख महेशप्रसाद चौधरी आ वाड नं. १३के अध्यक्ष मनोज कोइरालाक संयुक्त उपस्थितिमे शैनदिन ओइ भवनक शिलान्यास कएल गेल। २६ लाख ४४ हजार टकाके लागतमे निर्माण होएबला ई भवन गैरसरकारी संस्था ‘एक्सन एड’ नेपालक आर्थिक सहयोग, दलित जनकल्याण युवा क्लब आ लहान नगरपालिकाक साझेदारीमे निर्माण कएल जाएत ।
अइ संरचनासँ छात्र-छात्राक पठनपाठनमे सहजता आ गुणस्तर वृद्धि होएबाक नगरप्रमुख चौधरी विश्वास व्यक्त कएलैन । शिलान्यासपश्चात नगरप्रमुख चौधरी कहलैन, “शिक्षाक गुणस्तर सुधार लेल विद्यालयक भौतिक संरचना सुदृढ होएब जरूरी छ। एहि दु कोठा भवनसँ विद्यार्थीकेँ सहजता भेटत।” दलित जनकल्याण युवा क्लबक अध्यक्ष विनोद बिसुङ्खे कहलैन “सिरहाक विभिन्न पालिकामे संस्था विपन्न दलितक उत्थान आ जीविकोपार्जनमे लगातार काज क रहल छै। ई विद्यालय दलित बहुलता छै आ भौतिक संरचना जीर्ण छलै, तें दुइ कोठा भवन निर्माणक योजना लेल गेल। भवनक मजबूतीसँ गुणस्तरिय शिक्षाप्रवाह सम्भव होएत।”
विद्यालयक प्रधानाध्यापक हजारी साहके अनुसार हाल विद्यालयमे १६५ गोट छात्र-छात्रा अध्यनरत छैथ। भवन निर्माण समितिक अनुसार ई भवन अगिला पुस महिनाक पहिल सप्ताहधैर निर्माण सम्पन्न करबाक लक्ष्य राखल गेल अइछ।
एहि तरहे, लहान नगरपालिका–२२ स्थित जहदीसिसवनी आधारभूत विद्यालय, जे दलित बहुल्यता क्षेत्रमे अइछ, निर्माणाधीन चाइर कोठा भवन निर्माण कार्य अन्तिम चरणमे अइछ। ८२ लाख टका लागतमे निर्माण होएबला ओ भवनमे ‘एक्सन एड’ नेपालक ६२ लाख, नगरपालिकाक १५ लाख टका आ वाड कार्यालयक ५ लाख टकाके योगदान रहल अध्यक्ष बिसुङ्खे जानकारी देलैन। शिलान्यास बितल अगहनमे भेल छल।
प्रतिक्रिया