पाटन (ललितपुर), ८ अखारः नेपाली कांग्रेसक महामन्त्री गगन कुमार थापा नागरिकक जीवनस्तर उकासबा लेल उदारवादी आ पुँजीवादी व्यवस्था प्रभावकारी साबित भ रहल बतौलैन अइछ।
नेपाली कांग्रेस पुस्तकालय तथा पार्टी अध्ययन स्रोत केन्द्रिय विभागद्वारा आयोजित कार्यक्रममे बेलायती संसदीय लोकतन्त्र आ लेबर पार्टीक सञ्चालन प्रणाली सन्दर्भमे लेबर पार्टीक नेता डा बच्चुकैलाश कैनीसँ भेल अन्तरक्रियाक क्रममे महामन्त्री थापाक कहब छल जे नेपाली कांग्रेस तल्लो तहमे रहनिहार नागरिकक जीवनस्तर सुधारबा लेल उदारवादी आ पुँजीवादी व्यवस्थाक पक्षपोषण करैत अइछ।
थापाक कथन छल, “हमर लक्ष्य समुन्नत नेपाल बनाबैक छै, हम पुँजीवादी अर्थव्यवस्थामे विश्वास करैत छी, नाफाकेँ अपराध नै मानैत छी, निचला तहके नागरिककेँ माथधैर लैजबाक इच्छा राखैत छी। हम चाहैत छी जे पासपोर्ट आ लाइसेन्स पाएबामे राजनीतिक दलक सदस्यता अनिवार्य नै होए।” ओ कहलैन जे नेपाल जे संसदीय प्रणाली अपनौने अइछ, से बेलायती संसदीय प्रणाली थीक आ स्वयं ओहि प्रणालीमे विश्वास करैत छैथ। सङे कहलैन जे नेपाली कांग्रेस आ लेबर पार्टी बीच भगिनी सम्बन्ध छै आ जतबे पुरान पार्टीसभ संकटमे देखाइत छैथ, तहियो अनुसार बेलायतक लेबर पार्टी सेहो संकटमे देखाइत अइछ।
थापाक अनुसार सन् १९९५ मे जखन बेलायतक लेबर पार्टी निजी सम्पत्ति आ उदारवादी विषयसभकेँ ल क उत्साहित भ रहल छल, तहिया नेपाली कांग्रेस सेहो ओइ मुद्दासभकेँ समेटने छल। ओ कहलैन, “लेबर पार्टी तीनटा निर्वाचन जीति क अपन धार बनौलक। हमहूँ २०४८ सालमे जीतलाक बाद उदारवादी नीति आनलाैँ। ग्रामीण क्षेत्रमे शिक्षा, स्वास्थ्य आ सड़क लेल पर्याप्त बजेट समर्पित कएल गेल अइछ।” कार्यक्रममे बेलायतक लेबर पार्टीक नेता डा बच्चुकैलाश कैनी कहलैन जे ओ सन् २०१२मे लेबर पार्टीसँ आबद्ध भेल।
नेपाली मूलक डा कैनी प्रतिष्ठित शैक्षिक आ स्वास्थ्य व्यवस्थापन विज्ञ सङ राजनीतिकर्मी छैथ। ओ नेवि.संघ तनहुँक सचिव सेहो भ चुकल छैथ। ओ अवसरमे डा कैनी बेलायतक लोकतन्त्र, लेबर पार्टीक सञ्चालन प्रणाली, लोकतन्त्रक अभ्यास, पार्टीक आन्तरिक लोकतन्त्र, नीति निर्माण प्रक्रिया, विविध समुदायक सहभागिता आ उत्तरदायित्वपूर्ण नेतृत्व सम्बन्धी अपन अनुभवसभ प्रस्तुत कएलैन।
प्रतिक्रिया