काठमाण्डू, १२ अखारः सर्वोच्च अदालतके प्रस्तावित तीन न्यायाधीशविरुद्ध संसदीय सुनुवनई समितिमे सात उजुरी पड़ल अइछ ।
संसदीय सुनुवाइ समितिके आजुक बैसारमे पाँच व्यक्ति केन्द्रित आ दूटा सुनुवाइ प्रक्रियासङ सम्बन्धित उजुरी दर्ता भेल सभापति इश्वरी देवी न्यौपाने जानकारी करेलैथ ।
वरिष्ठ अधिवक्ता मेघराज पोखरेल, उच्च अदालत जनकपुरक मुख्य न्यायाधीश श्रीकान्त पौडेल आ उच्च अदालत दिपायलक मुख्य न्यायाधीश शान्तिसिंह थापाकेँ सर्वोच्चके न्यायाधीशक लेल सिफारिस कएल गेल अइछ । सभापति न्यौपानेक अनुसार मेघराजविरुद्ध दू, श्रीकान्त विरुद्ध दू आ शान्तिसिंहविरुद्ध एक तथा सैद्दान्तिक विषयसङ समबन्धि दू टा उजुरी पड़ल अइछ । शुक्रदिन उजरीकर्तासङ चर्चा करबाके आ १५ गते सुनुवाई करबाक समिति जनौलक अइछ । उजुरीकर्ताकेँ आजुक समितिके बैसारमे आमन्त्रण कएल गेल छल ।
प्रतिक्रिया