भद्रपुर (झापा), १३ अखार : झापाके बिर्तामोड–१ स्थित बिर्तासिटी अस्पतालके लगमे रहल चाय–नास्ता दोकानमे आइ आइगलगी भेल अइछ । टिनके छपरी आ टिनसँ घेरल ओइ दोकानमे आइ दुपहर ४ बजेमे आइग लागल अइछ ।
प्रहरी नायब उपरीक्षक खगेन्द्रबहादुर खड्काके अनुसार बलभद्र प्रसाईद्वारा सञ्चालित उक्त दोकानमे हुनक ३८ वर्षीय श्रीमती सोइता प्रसाइ मादक पदार्थ सेवन पश्चात घरबलासँ झगडा क पेट्रोल छिट क आइग लगाैने प्रारम्भिक अनुसन्धानसँ खुलल अइछ । आइग लगाएल आरोप लागल सोइता हाल भागल प्रहरी जनौलक अइछ ।
स्थानीयवासी आ बिर्तामोड नगरपालिकाके सहयोगमे २० मिनेटमे आइग पूर्णरुपमे नियन्त्रणमे आएल छल । आइगलगिसँ खाजा–नास्ता, भाँडावर्तन, फ्रिजसहित दोकानमे रहल समानसभ जइर क करिब दू लाख ५० हजार बराबरके क्षति भेल प्रहरीके प्रारम्भिक अनुमान अइछ ।

प्रतिक्रिया