logo
  • २०८२ फाल्गुन २६ | Tue, 10 Mar 2026
  • अइ साल सिरहामे आँम उत्पादनमे कमी

    अइ साल सिरहामे आँम उत्पादनमे कमी

    सिरहा, १६ अखारः सिरहामे अइ साल आँम उत्पादनमे कमी आएल अइछ । कृषि ज्ञान केन्द्र सिरहाके अनुसार चालु वर्षमे आँम उत्पादन ५९ हजार ८६६.५ मेट्रिक टनमे सीमित भेल अइछ । बितल वर्ष ९९ हजार दू सओ ३५ मेट्रिक टन उत्पादन भेल छल । ई पछिला वर्षके तुलनामे करिब ४० प्रतिशत कमी रहल केन्द्र जनौलक अइछ ।

    बितल वर्ष नौ हजार हेक्टर क्षेत्रफलमे ९९ हजार दू सओ ३५ मेट्रिक टन आँम उत्पादन भेल छल । मुदा, अइ साल नौ हजार २५ हेक्टर क्षेत्रफलमध्ये आठ हजार आठ सओ ९५ हेक्टर मात्र उत्पादनयोग्य रहए । अइ साल प्रति हेक्टर ६.६३ मेट्रिक टन उत्पादन भेल अइछ, जे पछिला वर्षके ११.०२ मेट्रिक टन प्रति हेक्टरसँ बहुते कम छल ।

    केन्द्र सिरहाक सूचना अधिकारी किरण विश्वकर्माक अनुसार आँम उत्पादनमे कमी अएबाक मुख्य कारण एक साल प्रशस्त फड़बाक आ दोसर साल तुलनात्मक रुपमे कम फड़बाक प्रकृतिक कारण छी । तहिना, उत्पादनमे कमी होएब सिँचाइके अभाव, समयेमे आवश्यक दवाइ इलाज नै होएब, आ कीराके प्रकोप जकाँ कारण सेहो जिमेवार रहल ओ बतौलैन । उत्पादन घटलाक बाद बजारमे आँमके आपूर्ति घटल अइछ, जाहिमे मूल्यमे सामान्य वृद्धि अनने अइछ । लगानी अनुसार आम्दानी नै भेलासँ बहुत किसान निराश भेल अइछ ।

    सिरहा जिला आँमके उत्पादनक लेल चर्चित मानल जाइ छै । उत्पादन कमी भेलासँ स्थानीय बजार, व्यापारी आ फलफूल प्रशोधन केन्द्रमे प्रत्यक्ष असर पड़ल अइछ । आँम खेतीके उत्पादन चक्रकेँ धीयानमे राखी दीर्घकालीन नीति आवश्यक रहल सरोकारवालाके कहब अइछ ।

    सिँचाइ सुविधा, आधुनिक रोग नियन्त्रण प्रविधि, आ किसानकेँ आँम उत्पादनसम्बन्धी ज्ञानके कमी प्रत्येक वर्ष उत्पादनमे अस्थिरता देखाइ छै ।

    सरकार तथा स्थानीय निकाय आँम उत्पादनकेँ प्रोत्साहन देबाक नीति आ कुलिंग केन्द्रके व्यवस्था कएलापर किसानके मनोबल उच्च रहबाक सङे जिलाके आर्थिक समृद्धिमे सहयोग पहुँचबाक विज्ञसभहक धारणा अइछ ।

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ असार १६, सोमबार १६:५५
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP