logo
  • २०८२ पुष ४ | Fri, 19 Dec 2025
  • नेपाली श्रमिकके स्वामित्व राज्य लिय पड़त

    नेपाली श्रमिकके स्वामित्व राज्य लिय पड़त

    पाटन (ललितपुर), १९ अखारः श्रम, रोजगार तथा सामाजिक सुरक्षामन्त्री शरतसिंह भण्डारी विदेशी भूमिमे श्रम कएनिहार नेपाली श्रमिकके स्वामित्व राज्य लिय पड़त बताैलैन अइछ ।

    पौरखी नेपालद्वारा आइ आयोजित कार्यक्रमकेँ सम्बोधन करैत मन्त्री भण्डारी कोनो माध्यमसँ विदेशी भूमिमे पहुँच क काज क रहल उक्त नेपाली नागरिकके स्वामित्व राज्य लेबाक चाही कहलैन ।

    “नेपाली नागरिक विभिन्न माध्यमसँ कामक लेल विदेशी भूमिमे गेल छै, किछ लोक ठकाएल छै, किछ अनौपचारिक माध्यमसँ नुका क लम्बा समयसँ कागजातविहीन छै, ओ सबकेँ कि तँ राज्य नेपाली नै छियै से कहए पड़लै, कि तँ स्वामित्व लिय पड़त”, ओ कहलैन ।

    “गाम सुन भेलै, खाली भेलै, गाममे रहैबला अवस्था नै छै, से कहलासँ नै हएत, जनशक्ति पलायनके क्रम नै रुकल छै, ई विषयमे गम्भीरतापूर्वक समीक्षा होबाक चाही, गामसँ लोकमात्रे पलायन नै भेल छै, गाममे भेल छोकटा पुँजी सेहो पलायन भेलासँ रोजगारीके अभाव सृजना भेल अइछ”, ओ कहलैन ।

    ओ एखन वैदेशिक रोजगारक नाममे एक नेपाली दोसरे नेपालीकेँ ठइक रहल घटनाप्रति चिन्ता व्यक्त करैत ठक, विचौलिया आ एजेन्टकेँ ठीक करै लेल एकद्वार प्रणालीमार्फत सेवा प्रदान करए लेल मन्त्रालय मेहनत क रहल जानकारी करेलैथ ।

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ असार १९, बिहीबार २०:४४
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    ताजा अपडेट
    TOP