सिरहा, २१ अखारः सिरहा स्थित प्रमुख भन्सार कार्यालय माडर चालू आर्थिक वर्ष २०८१/८२ के ११ महिनामे राजस्व असुलीमे लक्ष्यमेसँ बेसी संकलन करएमे सफल भेल अइछ।
कार्यालय अनुसार अखार महिनाबाहेक एखनधैर कुल १३ करोड़ ७५ लाख ८१ हजार टका राजस्व संकलन कएल गेल अइछ, चालू आवके लक्ष्य १२ करोड़ १२ लाख ९२ हजार टकासँ करिब १ करोड़ ६२ लाख ८९ हजार टका बेसी अइछ।
भन्सार प्रमुख तोयानाथ सापकोटा अनुसार अगहन महिना बाहेकसभ महिनामे लक्ष्यसँ बेसी राजस्व उठाएल गेल। ओ कहलैन, “अगहनमे मात्र ९४ प्रतिशत राजस्व संकलन भेल छल, बाकी सब महिनामे लक्ष्यसँ बेसी संकलन कएल गेल अइछ।” हुनका अनुसार एखनधैरके समग्र राजस्व संकलन ११३ प्रतिशत पहुँच चुकल अइछ।
सापकोटा चालू आवक अन्तिम महिना अखारमे सेहो लक्ष्यसँ बेसी राजस्व उठेबाक सम्भावना देखबैत विश्वास व्यक्त कएलैन जे आ.वके अन्तधैर १५ प्रतिशत बेसी राजस्व संकलन हएत । तइयो राजस्व संकलनमे सफलता भेटल, माडर भन्सारमे बहुत समयसँ चर्चा भ रहल ‘प्लान्ट क्वारेन्टाइन’ सेवा स्थापनाक विषय ठोस कार्यान्वयनधैर नै आएल अइछ।
कृषि तथा पशुपन्छी विकास मन्त्रालय आ सम्बन्धित विभागद्वारा एहि सेवाक आवश्यकता रहल बारम्बार कहैत आएल अइछ, मुदा प्रक्रियागत देरीकेँ कारण योजना भोथियाएल अवस्थामे अइछ।
सापकोटा अनुसार माडरमे प्लान्ट क्वारेन्टाइन सेवा स्थापनासँ माडर, ठाडी आ राजविराज स्थित तीनु भन्सार कार्यालयकेँ सेवा देल जाएत । ई सब नाका हुलाकी राजमार्गद्वारा माडरसँ सीधा जुड़ल अइछ, जे समन्वय आ ढुवानी प्रक्रियाकेँ सहज बनाओत। ओ स्पष्ट रूपेँ कहलैन, “यदि माडरमे प्लान्ट क्वारेन्टाइन सेवा उपलब्ध कराएल गेल तँ राजस्व असुली सेहो दोब्बर वृद्धि करत।”
वर्तमानमे कृषिजन्य वस्तुक आयात–निर्यात करैत व्यवसायीकेँ क्वारेन्टाइन प्रमाणिकरण लेल पूर्वमे विराटनगर वा पश्चिममे जलेश्वर धैरक यात्रा करए पड़ैत अइछ। एहि कारणेँ ढुवानी खर्च मात्र नै, उपभोक्ता मूल्यमे सेहो अनपेक्षित रूपेँ वृद्धि भ रहल व्यवसायीसभ शिकायत कएलैन।
प्रतिक्रिया