काठमाण्डू, २३ अखार: प्रतिनिधिसभा सदस्य रामकृष्ण यादव तराई मधेशमे खानेपानी आ सिँचाइके समस्या जटिल बइन रहल प्रति सरकारके ध्यानाकर्षण कराैने अइछ ।
प्रतिनिधिसभाक आजुक बैसारके विशेष समयमे ओ सिँचाइके व्यवस्था नै भेलासँ वर्षामे निर्भर बनल कहैत सभामुखमार्फत सरकारक ध्यानाकर्षण करेलैथ ।
सांसद यादव तराई मधेश अन्नके भण्डार भेल उल्लेख करैत ओ ट्युबेल, पम्पिङ सेट, सिँचाइके मर्मतसम्भार, नदी नाला आ बाँधके व्यवस्था करबाक लेल आग्रह कएलैन ।
सांसद यादव तराईके कृषियोग्य भूमिमे टिकाउ आ भरोसगर सिँचाइ सुविधा उपलब्ध नै भेलासँ कृषि उत्पादकत्व आ उत्पादनमे असर क रहल कहैत ध्यानाकर्षण करेलैथ । “अखार महिनाके अन्त अन्त भ रहल छै मुदा तराई मधेशमे २५ प्रतिशतमात्रे रोपनी भ सकल छै । सिँचाइमे धीयान नै देलासँ अन्नके हाहाकार भ सकै छै”, ओ कहलैथ, “खानेपानीके सेहो बहुत समस्या छै । दू सओ ५० फिट नीचासँ पाइन निकालए पडैत अइछ । किछ ठामँमे चाइर सओ ५० फिटपर सेहो पाइन नै आइब रहल छै ।”
विशेष समयमे जनमत पाटीक सांसद अब्दुल खांन नेपालगञ्ज जमुनाह नाका, रुपैडिहामे आवातआवतमे सहज बनेबाक आग्रह कएलैन । “सिमामे भारतीय शसस्त्र प्रहरी बल (एसएसबी) नेपालीकेँ घण्टाै ठाढ़ राखने रहैत छै । घरायसी प्रयोगके लेल आनल गेल सामानमे सेहो नेपाल प्रहरी आ सशस्त्र प्रहरी सामान जफत क रहल अइछ”, सांसद खान कहलैन ।
सएह क्रममे लोकतान्त्रिक समाजवादी पार्टी नेपालके सांसद रामप्रकाश चौधरी कृषककेँ समयमे सिँचाइ आ मल उपलब्ध करेबाक लेल सभामुखमार्फत सरकारसङे मांग कएलैन ।
प्रतिक्रिया