logo
  • २०८२ माघ २९ | Thu, 12 Feb 2026
  • स्वास्थ्य बीमासँ दू लाख तकके इलाज सुविधा

    स्वास्थ्य बीमासँ दू लाख तकके इलाज सुविधा

    काठमाण्डू, २५ अखारः स्वास्थ्य बीमा कार्यक्रममे आबद्ध नागरिककेँ आब दू लाख तकके इलाज प्रदान करबाक सुविधा भेल अइछ ।

    स्वास्थ्य तथा जनसङख्यामन्त्री प्रदीप पौडेल एखनधैर एक लाख टकामे सीमित ई सुविधा अगिला साओन १ गतेसँ दोब्बर बनेबाक घोषणा कएने अइछ।

    आइ सामाजिक सञ्जालमार्फत ओइ जानकारी दैत मन्त्री पौडेल आठ प्रकारके गम्भीर रोगीक लेल इलाज खर्च दोब्बर बनाएल गेल बतौलैन अइछ । “कड़ा रोगमे इलाजके खर्च नै भेल नागरिककेँ दुखमे राहत देबाक लेल साओन १ गतेसँ ई निर्णय लागू हएत”, फेसबुकमे ओ लिखने छैथ ।

    आब क्यान्सर, हृदयरोग, किड्नी रोग, माथा आ रीढ़मे चोट (हेड इन्जुरी आ स्पाइनल इन्जुरी), सिकलसेल एनिमिया, पार्किन्सोनिज्म आ अल्जाइमर भेल रोगीकेँ दू लाख तकके इलाजक सुविधा देल जाए ।

    अइसँ पहिने सरकार बीमा योजनामे समावेश भेल व्यक्तिकेँ अपना बसोबास कएने स्थानमे इलाज करबाक व्यवस्था तथा सब तहमे बीमा सुविधा विस्तार करबाक निर्णय भ चुकल अइछ । रासस

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ असार २५, बुधबार १७:५५
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP