logo
  • २०८२ पुष ४ | Fri, 19 Dec 2025
  • सिरहाक विपन्न समूदायकेँ ग्यास चुल्हा वितरण

    सिरहाक विपन्न समूदायकेँ ग्यास चुल्हा वितरण

    राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)

    सिरहा, २६ अखार : एहि ठाँमक बरियारपट्टि गाउँपालिका–३ दलित बस्तीके विपन्न परिवारसभकेँ ग्यास सिलिण्डरसहितके चुल्हा वितरण कएल गेल अइछ । वाडद्वारा १० लाख टकाके बजेटसँ चमार, डोम आ साफी समुदाय गरिब व्यक्तिसभके १२६ परिवारकेँ ग्यास चुल्हा, सिलिण्डर, पाइप आ लाइटर प्रदान कएलक अइछ । वाडध्यक्ष विनोद कुमार यादवके अनुसार दैनिक ज्यालादारीमे गुजारा चलेनिहार दलित समुदायके चुल्ही धुँवामुक्त बनेबाक उद्देश्य ई कार्यक्रम आनल गेल छै । “खरपात आ भुसीसँ भन्सा कएलासँ आइगके खतरा बढ़बाक भेलासँ ग्यास वितरण कएने छी”, ओ बतौलैन । विन्दादेवी राम ग्यास चुल्हासँ जीवनेमे बहुत राहत मिलल बतौलैन । “आब धुँइयासँ मुक्ति भेटन”, ओ खुशी व्यक्त कएलैन। वाडध्यक्ष यादवके अनुसार अगिला आर्थिक वर्षमे सेहो १० लाख टका बजेट छुट्याएल गेल अइछ । ओइ बजेटसँ मण्डल आ मुखिया परिवारकेँ चुल्हा वितरण कएल जाएत । “तकरबाद वाडभैरके सब दलित बस्तीमे ग्यास चुलो पहुँचत”, ओ कहलैन । अइसँ पहिने वाड कार्यालय मुशहर बस्तीक ९९ घरपरिवारकेँ सेहो चुल्हा वितरण क चुकल अइछ । आर्थिक वर्ष ०८०/०८१ मे नौ लाख टकामे रामपुर पिप्रा आ तिलैया क्षेत्रके मुशहर बस्तीमे ग्यास चुल्हा जड़ान कएल गेल छल ।

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ असार २६, बिहीबार १४:४१
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    ताजा अपडेट
    TOP