logo
  • २०८२ फाल्गुन २६ | Tue, 10 Mar 2026
  • विवाहपञ्चमीमे माछ–मांस किनबेचमे रोक

    विवाहपञ्चमीमे माछ–मांस किनबेचमे रोक

    राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)

    जनकपुर, ८ अगहनः जिला प्रशासन कार्यालय धनुषाद्वारा विवाहपञ्चमी महोत्सवक अवसरमे जनकपुरधाममे तीन दिनधैर माछ/मांस आ दारु किनबेचमे रोक लगाओल गेल अइछ । रैबदिन राइत १२ बजेसँ १० गते राइत १२ बजेधैरके लेल उक्त रोक लगाएल गेल अइछ । विवाहपञ्चमी महामहोत्सव इएह अगहन ९ गते सुरक्षित, मर्यादित आ सौहार्दपूर्ण माहोलमे मनेबाक सन्दर्भमे भेल सरोकारवालासभक बैसार तथा जिला सुरक्षा समितिक निर्णयबमोजिम उक्त निर्णय कएल गेल सहायक प्रमुख जिला अधिकारी उमेश कुमार दाहाल जानकारी देलैन । जिला प्रशासन कार्यालयसँ जारी भेल सूचनामे जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाके परिक्रमा क्षेत्र भीतर आ परिक्रमा सड़कके दायाँ–बायाँ दारु बिक्री–वितरण, पशुपन्क्षी मारकाट, माछ/मांस किनबेच, उत्पादनलगायत अन्य नसाजेहन पदार्थक सेवन करबाक लेल पूर्ण रुपमे निषेध कएल गेल उल्लेख अइछ । सूचना विपरीत निषेधित क्षेत्रमे उक्त काज कएल गेल भेटल तँ प्रचलित कानुनबमोजिम आवश्यक कारबाही कएल जाएत । मिथिलाक सांस्कृतिक, धार्मिक आ पौराणिक पावैनक रुपमे भेल रामजानकी विवाह महोत्सवकेँ लक्षित क निषेध कएल गेल सहायक प्रजिअ दाहाल बतौलैन । तहिना, विवाहपञ्चमी महोत्सवमे कोनो अप्रिय घटना नै होए तथा शान्तिसुरक्षा प्रभावकारी बनेबाक लेल जनकपुरधाममे नेपाल प्रहरी आ शास्त्र प्रहरीके करिब दू हजार सुरक्षाकर्मी परिचालन कएल गेल प्रमुख जिला अधिकारी प्रेम प्रसाद लुइँटेल जानकारी देलैन ।

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ मंसिर ८, सोमबार १९:४७
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP