logo
  • २०८२ फाल्गुन २६ | Tue, 10 Mar 2026
  • अगहन १७ गते उज्यालो नेपाल पार्टी घोषणा हेत

    अगहन १७ गते उज्यालो नेपाल पार्टी घोषणा हेत

    काठमाण्डू, १२ अगहनः इएह अगहन १७ गते उज्यालो नेपाल पार्टी घोषणा हएत । पार्टीके मूल नारा ‘उज्यालो भविष्यका लागि, उज्यालो नेपाल’ राखल गेल अइछ । उक्त नारा देशक राजनीतिक, आर्थिक आ सामाजिक रूपान्तरणकेँ एकेटा साझा राष्ट्रिय लक्ष्यके रूपमे प्रतिविम्बित करबाक पार्टी प्रवक्ता राजु थापा जानकारी देलैन अइछ ।

    पार्टी घोषणा सभाक तैयारी अन्तिम चरणमे पहुँचल ओ बतौलैन । उक्त अवसरमे उज्यालो नेपाल पार्टीके दीर्घकालीन दृष्टि, मूल ध्येय आ विस्तृत घोषणापत्र २०८२, औपचारिक रूपमे सार्वजनिक कएल जाएत ।

    नेपालके संविधानक उपलब्धिकेँ आत्मसात् करैत जनताके प्रतिस्पर्धात्मक बहुदलीय लोकतान्त्रिक शासन प्रणाली, नागरिक स्वतन्त्रता, मौलिक अधिकार, मानव अधिकार, बालिग मताधिकार, आवधिक निर्वाचन, प्रेस स्वतन्त्रता, निष्पक्ष, सक्षम न्यायपालिका आ कानुनी राज्यके अवधारणा उक्त पार्टीके सैद्धान्तिक दृष्टिकोण अइछ ।रासस

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ मंसिर १२, शुक्रबार १९:५९
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP