logo
  • २०८२ पुष १२ | Sat, 27 Dec 2025
  • निर्वाचनक ७४ दिन बाँकीः प्रस्तावित आचारसंहितामे सवारीसाधन प्रयोग करबाक व्यवस्था

    निर्वाचनक ७४ दिन बाँकीः प्रस्तावित आचारसंहितामे सवारीसाधन प्रयोग करबाक व्यवस्था

    राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)
    काठमाण्डू, ६ पुसः अइगला फागुन २१ गतेके लेल निर्धारण कएल गेल प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक लेल निर्वाचन आयोग तैयार कएने प्रस्तावित आचारसंहितामे अनुमति बिना कोनो उमेदवार सवारीसाधनके प्रयोग नै क सकबाक व्यवस्था प्रस्ताव कएल गेल अइछ ।
    अनुमति प्राप्त कएने सवारीसाधनबाहेक अन्य सवारीसाधन प्रयोग क निर्वाचन प्रचार–प्रसार करए या प्रचार सामग्री प्रदर्शन नै क सकत सेहाे व्यवस्था कएल गेल अइछ । अनुमति बिना सवारीसाधन प्रयोग कएलापर ओहन सवारीसाधनकेँ नियन्त्रणमे ल कारबही कएल जाएत । ट्राफिक प्रहरी या अन्य सुरक्षाकर्मी ओहन सवारीसाधन नियन्त्रणमे ल ओकर जानकारी जिला आचारसंहिता अनुमगन समितिकेँ देबाक व्यवस्था कएल गेल अइछ ।
    निर्वाचन अधिकृतके अनुमति ल सम्बन्धित निर्वाचन क्षेत्र या उमेदवार भेल स्थानमे आयोगद्वारा निर्धारण कएल गेल बमोजिम बेसीमे दू पहिया या तीन पहिया या चाइर पहिया विद्युतीय तथा यान्त्रिक शक्तिसँ चलैबला सवारीसाधन प्रयोग क सकत । सवारीसाधन नै चलैबला स्थानमे चाइरटा घोड़ा प्रयोग क सकत । विदेशी नम्बर प्लेटके सवारीसाधन प्रयोग नै क सकबाक आ कोनो अनुमति नै देबाक लेल प्रस्तावित आचारसंहितामे उल्लेख अइछ । राजनीतिक दल प्रक्रिया पूरा क ओएह बमोजिमके सङ्ख्या आ प्रकारक सवारीसाधन प्रयोग क सकत ।
    सवारीसाधनके स्वरुप परिवर्तन क प्रयोग करए या कराबए लेल बर्जित कएल गेल अइछ । अनुमति प्राप्त कएने सवारीसाधन अन्य दल या उमेदवारकेँ प्रयोग करए देबाक या अन्य उमेदवार प्रयोग नै क सकत ।
    प्रस्तावित आचारसंहिताअनुसार कोनो दल या उमेदवार अनुमति लेने सवारीसाधन प्रयोग क मतदाताके एक ठामसँ दोसर ठाम नै आइन सकत । चलबामे समस्या भेल गर्भवती महिला, सुत्केरी, सङमे अपन बच्चा राखने महिला, किरीयापुत्री, शारीरिक रूपसँ असक्तता या अपाङ्गता भेल व्यक्ति, ज्येष्ठ नागरिकजेहन मतदाताके हकमे निर्वाचन अधिकृत अनुमति देने अवस्थामे सवारीसाधन प्रयोग करबाक लेल समस्या नै होबाक उल्लेख अइछ ।
    राजनीतिक दलकेँ प्रचार–प्रसारक लेल अपना दिससँ मुख्य प्रचारक नाम आयोगमे बुझाबए पड़त आ आयोग अनुमति देने मुख्य प्रचारक हेलिकप्टर प्रयोग क सकबाक व्यवस्था प्रस्ताव कएल गेल अइछ ।
    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ पुष ६, आईतवार १७:०५
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    ताजा अपडेट
    TOP