logo
  • २०८२ पुष १२ | Sat, 27 Dec 2025
  • प्रधानमन्त्री कार्कीसँ रास्वपा सभापति लामिछानेके भेट

    प्रधानमन्त्री कार्कीसँ रास्वपा सभापति लामिछानेके भेट

    काठमाण्डू। प्रधानमन्त्री सुशीला कार्कीसँ राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)के सभापति रवि लामिछाने भेटवार्ता केलैन अइछ ।

    प्रधानमन्त्री निवास बालुवाटारमे रैबदिन भेल भेटमे हुनकासभ बीच चुनाव केन्द्रित विषयमे परामर्श भेल भेटमे सहभागी संचार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री जगदीश खरेल जानकारी देलैन । भेटक बाद संचारकर्मीकेँ जानकारी दैत ओ रास्वपाके सभापति लामिछानेसहित पदाधिकारीसभसँ सकारात्मक वार्ता भेल बतौलैन ।

    सरकारक प्रवक्ता सेहो रहल मन्त्री खरेल कहलैन, “खास क वार्तामे चुनाव केन्द्रित बातचित भेल छल । चुनावकेँ कोना स्वतन्त्र निष्पक्ष आ धाँदलीरहित ढङ्गसँ निर्धारित समयमे कएल जा सकैय तइ विषयमे विशेष परामर्श भेल छल आ ओइमे सरकारक दिससँ क रहल तैयारी, निर्वाचन आयोग क रहल काज, सुरक्षा निकायके अवस्था लगायतक विषयमे हुनकासभकेँ जानकारी करौने छलौँ ।”

    रास्वपाके सभापति लामिछानेलगायत पदाधिकारी चुनाव अइगला फागुन २१ मे होबाक चाही, चुनाव निष्पक्ष स्वतन्त्र आ धाँदलीरहित होबाक चाही तथा चुनावमे रास्वपा भाग लेत तइ बारेमे स्पष्ट रुपमे अपन बात राखने मन्त्री खरेल बतौलैन ।रासस

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ पुष ७, सोमबार ११:५४
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    ताजा अपडेट
    TOP