logo
  • २०८२ पुष १२ | Sat, 27 Dec 2025
  • मन्त्री गुप्ताद्वारा निर्माणाधीन कमला पुल निरीक्षण

    मन्त्री गुप्ताद्वारा निर्माणाधीन कमला पुल निरीक्षण

    जनहितमा जारी अर्नामा गाउँपालिकको सूचना

    सिरहा। युवा तथा खेलकुदमन्त्री बब्लु गुप्ता हुलाकी सड़कअन्तर्गत धनुषा आ सिरहा जोड़ैबला कमला नदीके निर्माणाधीन पुल समयमे पूरा करबाक लेल निर्माण कम्पनीकेँ निर्देशन देलैन अइछ । वृहस्पैतदिन पुल निरीक्षण करैत मन्त्री गुप्ता कहलैन, “पुल निर्माण तीव्र गतिमे भ रहल छै । नबका पुल बनबामे समय लागत । अखन इएह पुलके काज जल्दी पूरा क संचालनमे आनए पड़त ।”

    निरीक्षणक क्रममे मधेश प्रदेशक जेनजी संयोजक शिव यादव पुलके अवस्थाके बारेमे मन्त्री गुप्ताके जानकारी करौने छलैन । निरीक्षणके बाद मन्त्री गुप्ता एक महिना भीतर चाइर पहिया सवारी संचालनमे आएत से विश्वास व्यक्त केलैन ।

    स्थानीय युवा सन्तोष यादव मन्त्री गुप्ताके निरीक्षणक बाद पुल निर्माण गति लेत से विश्वास व्यक्त केलैन ।

    अइसँ पहिने मन्त्री गुप्ताके पहलमे बितल अगहन ५ गते भौतिक पूर्वाधार तथा यातायातमन्त्री कुलमान घिसिङ सेहो पुलके स्थलगत निरीक्षण कएने छलैन । ओइ क्रममे मन्त्री घिसिङ निर्माण कम्पनीकेँ जल्दी पुल सम्पन्न करबाक लेल निर्देशन देने छलैन ।

    वि.सं. २०६८ मे तीन सालमे निर्माण सम्पन्न करबाक संझौता भेलाक बादो बेर–बेर समय बढ़ाबैत १३ साल बितलाक बादो पुल नै बइन सकल अइछ । पप्पु कन्स्ट्रक्सन कारी सूचीमे पड़लाक बाद बाँकी काज लुम्बिनी विल्डर्स करैत आएल अइछ । वि.सं. २०७८ अखार १७ के बाइढ़सँ पुलके दूटा जग खसलाक बाद आओर क्षति भेल छल । जमा ४ सओ ६९ मिटर लम्बा पुलके अखनधैर ८३ प्रतिशत भौतिक आ ८२ प्रतिशत वित्तीय प्रगति भेल आयोजना जनौने अइछ । रासस

    जनहितमा जारी नवराजपुर गाउँपालिकको सूचना

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    1
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ पुष ११, शुक्रबार १२:४३
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    ताजा अपडेट
    TOP