जनहितमाजारी सूचना
महेन्द्रनगर (धनुषा): मधेश प्रदेशमे मुख्यमन्त्री कृष्ण प्रसाद यादवक नेतृत्वमे नयाँ सरकार गठन भेल करिब एक महिनाके बाद प्रदेश सरकारक मन्त्रिपरिषद् पूर्णता प्राप्त केलक अइछ । मुख्यमन्त्री यादवके नेतृत्वमे गठित सरकार आइ आओर छ गोटे मन्त्रीके सरकारमे समावेश करैत मन्त्रिपरिषद्केँ पूर्णता देलक अइछ ।
आइ जनकपुरधामस्थित मधेश भवनमे छ गोटे नवनियुक्त मन्त्रीसभ प्रदेश प्रमुख डा. सुरेन्द्र लाभसमक्ष पद तथा गोपनीयताके शपथ ग्रहण केलैन । मनिष कुमार सुमनकेँ श्रम तथा यातायात मन्त्रालयके जिमेवारी देल गेल अइछ, तँ राज कुमार गुप्ताकेँ भौतिक पूर्वाधार विकास मन्त्रालयके जिमेवारी देल गेल अइछ ।
शङ्कर प्रसाद चौधरीकेँ वन तथा वातावरण, श्याम प्रसाद पटेलकेँ भूमि व्यवस्था, कृषि तथा सहकारी मन्त्रालय, वसन्त कुमार कुशवाहाकेँ खेलकुद तथा समाज कल्याण मन्त्रालय तथा फकिरा महतोकेँ गृह, संचार तथा कानुन मन्त्रालयके जिमेवारी देल गेल अइछ । नयाँ मन्त्रीसभक नियुक्ति सङे मधेश प्रदेश सरकारक प्रशासनिक गतिविधि सक्रिय होबाक अपेक्षा कएल गेल अइछ ।रासस
प्रतिक्रिया