logo
  • २०८२ पुष २८ | Mon, 12 Jan 2026
  • कांग्रेस विशेष महाधिवेशन आइसँ, पार्टी सङ्गठन आओर मजबुत हएतः महामन्त्रीद्वय

    कांग्रेस विशेष महाधिवेशन आइसँ, पार्टी सङ्गठन आओर मजबुत हएतः महामन्त्रीद्वय

    काठमाण्डू। नेपाली कांग्रेसक महामन्त्रीद्वय गगन कुमार थापा आ विश्व प्रकाश शर्माके अगुवाइमे आह्वान कएल गेल कांग्रेसक विशेष केन्द्रीय महाधिवेशन आइसँ सुरु भ रहल अइछ ।

    इएह पुस २७ आ २८ गते होएबला उक्त विशेष महाधिवेशनके काठमाण्डूस्थित भृकुटीमण्डपमे आइ दुपहर १ः०० बजे उद्घाटन होबाक कार्यक्रम अइछ । उद्घाटनसँ पहिने भिंसर ११ः०० बजे काठमाण्डूके सुन्धारा, रत्नपार्क, शङ्करदेव क्याम्पस, कमलपोखरी, कुपण्डोललगायत क्षेत्रमे नेता, कार्यकर्ता जमा भ जुलुशके सङे भृकुटीमण्डप प्रस्थान कएल जेबाक विशेष महाधिवेशन जनपरिचालन तथा जुलुस परिचालन व्यवस्थापन समितिक संयोजक जगदीश्वरनरसिंह केसी जानकारी देलैन ।

    उद्घाटन सत्रके लेल भृकुटीमण्डपके चौरमे ५० गोटे अतिथिके लेल मञ्च निर्माण कएल गेल अइछ ।

    विशेष महाधिवेशनके सभापतित्व कांग्रेस काठमाण्डूके सभापति कृष्ण सबुज बानियाँ करत । विशेष महाधिवेशनमे अन्य राजनीतिक दलक नेतासभकेँ आमन्त्रण नै कएल गेल अइछ । देशभैरसँ विशेष महाधिवेशनमे भाग लेबाक लेल आबैबला महाधिवेशन प्रतिनिधिमध्ये अधिकांश प्रतिनिधि काठमाण्डू आइब गेल आयोजक समिति जनौलक अइछ ।

    तहिना, महाधिवेशन प्रतिनिधिसभक लेल आयोजन स्थलमे खाना आ नास्ताके व्यवस्था कएल गेल अइछ । आवास तथा खाना व्यवस्थापन समितिक संयोजक रमेश धमलाके कहब अनुसार काठमाण्डूके विभिन्न स्थानमे तीन हजार ६ सओ प्रतिनिधिके लेल आवासक व्यवस्थापन कएल गेल अइछ । तहिना, आओर दू–दू सओ प्रतिनिधिके लेल तत्काल व्यवस्थापन होबएजँका प्रबन्ध मिलाएल गेल अइछ ।

    विशेष महाधिवेशनके उद्घाटनक बाद बन्दसत्र इएह पुस २८ गते भिंसरसँ भृकुटीमण्डपके सभाहलमे हएत । बन्दसत्रमे परामर्श होबएबला नीतिगत दस्तावेजके बारेमे अखनधैर अधिकांश विषय सार्वजनिक भ चुकल अइछ ।

    विशेष महाधिवेशनमे महामन्त्रीद्वयके अगुवाइ
    महमन्त्रीद्वय थापा आ शर्मा कांग्रेसक विधानके धारा १७ (२) अनुसार विशेष महाधिवेशन माँग भेल तीन महिना भीतर विशेष महाधिवेशन बजेबाक कानुनी बाध्यता रहल उल्लेख केलैन अइछ । ओसभ संयुक्त विज्ञप्तिमार्फत विधान पालन करैत पार्टीकेँ जीवन्त बनेबाक लेल विशेष महाधिवेशनमे सहभागी होबाक लेल प्रतिनिधिसभकेँ आह्वान कएने छैथ ।

    महाधिवेशन प्रतिनिधिसभ ‘बदलैत राजनीतिक परिस्थितिमे कांग्रेसकेँ सुदृढ़ बनाबए, जनभावनाअनुरूपके नीति निर्माण करए आ नयाँ ऊर्जासहितक नेतृत्वमार्फत पार्टीके समग्र पुनर्निर्माणक लेल विशेष निर्णय लेनाइ अपरिहार्य छै’ कहि विशेष कारणसहित निवेदन दर्ता कएने विशेष महाधिवेशन सम्पन्न करब केन्द्रके जिमेवारीके विषय भेल दूनु गोटेके कहब छलैन ।

    महामन्त्रीद्वय थापा आ शर्मा केहनो कठिन अवस्थामे पार्टीकेँ एक बना क राखबाक लेल हमसभ प्रतिबद्ध रहल उल्लेख केलैन । बितल आसिन २९ गते कांग्रेसक ५४ दशमलव ५८ प्रतिशत महाधिवेशन प्रतिनिधिके हस्ताक्षरसहित विशेष महाधिवेशन माँगके सङे केन्द्रीय कार्यालयमे निवेदन दर्ता भेल छल । महाधिवेशनप्रति पार्टीके संस्थापन पक्ष असहमति जनौने छल ।

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ पुष २७, आईतवार १२:५२
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP