काठमाण्डू, ३ माघः नेपाली कांग्रेसक सभापति गगन कुमार थापा पार्टीकेँ अगिला दिनमे एकताबद्ध बनेबाक बताैलैन अइछ ।
नेपाली कांग्रेके दोसर विशेष महाधिवेशनकेँ निर्वाचन आयोग मान्यता देलाक बाद आइ केन्द्रीय कार्यसमितिके बैसारसँ पहिने सञ्चारकर्मीसँ बात करैत विगतके तिक्तताकेँ भुइल क पार्टीकेँ एकताबद्ध बना क आगू बढ़बाक बतौलैन अइछ ।
निर्वाचन आयोग निर्णय कएलाक बाद निर्णयकेँ स्वीकार क आगू बढ़ाब चाही कहलैन। “पार्टीभितरके अग्रज नेताके सङे राखब आ नयाँ युवाकेँ जोड़त आगू बढ़ब, पूर्वसभापति शेरबहादुर देउवाके अभिभावकत्व आ संरक्षकत्वके भूमिका चाहैत छी, एक दू दिनके भितर पुरा कांग्रेस एक ठामँमे अएबाक वातावरण बनाबैमे लागल छी,” ओ कहलैन ।
प्रतिक्रिया