logo
  • २०८२ माघ २९ | Thu, 12 Feb 2026
  • जाढ़सँ प्रभावित ७० मुसहर परिवारकेँ कम्मर वितरण

    जाढ़सँ प्रभावित ७० मुसहर परिवारकेँ कम्मर वितरण

    सिरहा। बितल किछ हप्तासँ तराई–मधेशमे फेरसँ बढ़ल शीतलहरके कारण जनजीवन कष्टकर भेलाक बाद सिरहाके ७० विपन्न मुसहर परिवारकेँ कम्मर वितरण कएल गेल अइछ ।

    विशाल ग्रुप फाउन्डेसन जिलाक दू स्थानीय तहके विपन्न बस्तीमे जा राहत वितरण कएने अइछ । फाउन्डेसन अनुसार सखुवानन्कारकट्टी गाउँपालिका–२ पटनाके ४५ आ लक्ष्मीपुरपतारी गाउँपालिका—४ धञ्छवारके २५ गोटेसहित जमा ७० परिवारकेँ जनही एक–एकटा कम्मर प्रदान कएल गेल अइछ ।

    बुधदिन आयोजित कम्मर वितरण कार्यक्रममे एनआइसी एसिया बैङ्क, लहान शाखाके प्रबन्धक लेखराज पौडेल संस्थागत सामाजिक उत्तरदायित्वअन्तर्गत जाढ़क जोखिममे भेल परिवारकेँ सहयोग कएल गेल बतौलैन ।

    कम्मर प्राप्त कएलाक बाद स्थानीय ५३ वर्षीया दृष्टिविहीन तेतरीदेवी सदाय खुसी व्यक्त करैत जाढ़सँ बचबाक लेल अइसँ सहयोग होबाक बतौलैन । स्थानीय शिक्षक एवं समाजसेवी राम सुफल यादव सहजीकरण कएने उक्त कार्यक्रममे स्थानीयवासी विपद्के समयमे होएबला मानवीय सहयोगसँ बड़का राहत होबाक बतौने छलैन ।रासस

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ माघ ८, बिहीबार ११:२७
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP