logo
  • २०८२ फाल्गुन २६ | Tue, 10 Mar 2026
  • आठ बेर समय बढ़ौलाक बादो महावीर चौकधैरके सड़क अलपत्र

    आठ बेर समय बढ़ौलाक बादो महावीर चौकधैरके सड़क अलपत्र

    लोकेन्द्र प्रसाद यादव
    गोलबजार (सिरहा), १६ माघः आठ बेर समय बढ़ौलाक बादो धनुषाके जनकपुर–कदम चौक–तीनकोरिया–सघारा–कमालपुल–पूर्व महावीर चौक सिरहा खण्डके हुलाकी सड़क स्तरोन्नतिके काज अखनधैर पूरा नै भेल अइछ ।

    १९ करोड़ १४ लाख ३७ हजार १ सओ ६७ टका (भ्याटसहित) लागतमे साढ़े पाँच किलोमिटर सड़क पक्की बनेबाक जिमा लेने धुकुछु कन्स्ट्रक्सन प्रालि बुद्धनगर काठमाण्डू अखनधैर ८५ प्रतिशत काज मात्रे कएने अइछ, तँ वित्तीय प्रगति ६३ दशमलव २५ प्रतिशत अइछ ।

    हुलाकी राजमार्ग निर्देशनालय, योजना कार्यालय जनकपुरके सूचना अधिकारी इन्जिनियर कुमार रायके अनुसार ई ठेक्का भेरिएसन भ एकर लागत २१ करोड़ ९३ लाख ६२ हजार १ सओ ८९ टका भेल बतौलैन ।

    जनकपुर–कदमचौक–कप्टोल–तिनकोरीया–सघारा–कमला पुल हुलाकी सड़क स्तरोन्नतिके लेल ठेक्का कएल गेलमे पहिने उक्त खण्डके किछ भागके निर्माण भेलाक कारण ठेक्काअनुसार बाँकी रहल काज करबाक लेल कमला पुलसँ पूर्व सिरहा बजारके महावीर चौकधैर डेढ किलोमिटर सड़क बनेबाक जिमेवारी देल गेल हुलाकी राजमार्ग निर्देशनालय, योजना कार्यालय जनकपुरके इन्जिनियर सूर्य नारायण मण्डल बतौलैन ।

    वि.सं. २०७४ अखारमे ठेक्का सम्झौता भेल उक्त सड़क २०७५ पुसधैर निर्माण सम्पन्न होबाक चाही छल । मुदा, अखनधैर आठ बेर समय बढ़ौलाक बादो निर्माण कम्पनी धुकुछु कन्स्ट्रक्सन प्रालि काज कए रहल अइछ । बढ़ाएल गेल समय आबैबला चैतमे समाप्त होबाक हुलाकी राजमार्ग निर्देशनालय योजना कार्यालय जनौलक अइछ ।

    सिरहा बजारके महावीर चौकसँ पूर्व भगवानपुर बलान पुलधैर सड़क पक्की भ संचालमे भेलाक बादो सिरहाके महावीर चौकसँ पश्चिम बसबिट्टा कमला बाँधधैर डेढ किलोमिटर सड़क नै बनलासँ अइ ठामक स्थानीय गर्दाबला सड़कमे यात्रा करबाक बाध्य अइछ ।

    निर्माण कम्पनीके प्रतिनिधि जयमोद झा कहलैन, “इएह हप्ताके मङ्गलदिनसँ बजार खण्डमे काज सुरु भेल छै । हमरासभ मेसिनसहित पहुँचल छी । चैतधैर काज सम्पन्न होएजँका काज भ रहल छै । गर्दा नियन्त्रणक लेल पाइन राखबाक लेल सेफ्टी ट्याङ्की आएल छै । आबसँ नियमित रुपमे पाइन राखबाक काज हएत ।”

    समयमे सड़क पक्की नै भेलासँ गर्दाके कारण घर तथा दोकानमे रहबामे समस्या भ रहल स्थानीय राजीव यादवके कहब छैन ।रासस

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    1
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ माघ १६, शुक्रबार १८:४७
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP