logo
  • २०८२ फाल्गुन २६ | Tue, 10 Mar 2026
  • प्रहरीक लेल निर्वाचन लक्षित अनुशिक्षण सुरू

    प्रहरीक लेल निर्वाचन लक्षित अनुशिक्षण सुरू

    प्रहरीक लेल निर्वाचन लक्षित अनुशिक्षण सुरू

    काठमाण्डू, २१ माघ : नेपाल प्रहरी आसन्न प्रतिनिधिसभा सदस्य निर्वाचनके सुरक्षार्थ प्रहरी कर्मचारीकेँ निर्वाचन लक्षित अनुशिक्षण कार्यक्रम आइएसँ सुरू केलक अइछ ।

    नेपाल प्रहरी प्रधान कार्यालयमे आइ आयोजित एक समारोहक बीच आसन्न निर्वाचनकेँ स्वच्छ, निष्पक्ष तथा भयरहित शान्तिपूर्ण वातावरणमे सम्पन्न करबाक प्रयोजनक लेल प्रतिनिधिसभा सदस्य निर्वाचन एकीकृत सुरक्षा योजना २०८२ अनुसार निर्वाचन सुरक्षार्थ प्रहरी कर्मचारीकेँ अनुशिक्षण कार्यक्रम सुरू केलक अइछ ।

    पहिल चरणअन्तर्गत नेपाल प्रहरी प्रधान कार्यालय, ब्युरोसभ आ नेपाल प्रहरी अस्पताल महाराजगञ्जमे कार्यरत प्रहरी वरिष्ठ नायब निरीक्षकसँ प्रहरी कार्यालय सहयोगी सहित चाइर हजार १४८ व्यक्तिकेँ चरणबद्ध रूपमे १० दिन उक्त अनुशिक्षण प्रदान कएल जेबाक प्रहरी प्रवक्ता अविनारायण काफ्ले जानकारी देलैन अइछ ।

    तहिना, सब जिला प्रहरी कार्यालयमे गठित निर्वाचन सेलमार्फत चरणबद्ध रूपमे निर्वाचनके सुरक्षार्थ खटल प्रहरी कर्मचारीसभकेँ निर्वाचन लक्षित अनुशिक्षण कार्यक्रम सञ्चालन कएल जाएत ।

    अनुशिक्षण कार्यक्रममे निर्वाचन सुरक्षा, परिचय, निर्वाचनमे प्रहरीके भूमिका, सुरक्षा व्यवस्थापन, निर्वाचन सुरक्षा आ प्रहरी सुरक्षा व्यवस्थामे अपनेबाक लेल भूमिका वा अवस्थासभ। निर्वाचनमे आइब सकैबला समस्यासभ तथा निर्वाचनमे प्रहरीके दायित्वक विषयमे जानकारी देल जाएत।

    एहिना, मतदान केन्द्रके निर्माण, मतदान केन्द्र निर्माण करैत काल ध्यान देबाक विषयसभ, निर्वाचन आचारसंहिता, २०८२ अन्तर्गत सुरक्षा निकाय, सुरक्षाकर्मी तथा सुरक्षा सम्बद्ध कर्मचारीके आचरण, निर्वाचन व्यवस्थापन सामाजिक सञ्जालके उपयोगसम्बन्धी नीति, २०७७, प्रहरी ऐन, २०१२ तथा प्रहरी नियमावली, २०७१ मे भेल निर्वाचनसम्बन्धी (अपराध एवम् दण्ड सजायसम्बन्धी व्यवस्था)सहित विषयवस्तुमे प्रशिक्षण प्रदान कएल जेबाक प्रहरी प्रवक्ता काफ्ले बतौलैन ।रासस

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ माघ २१, बुधबार २१:२०
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP