
काठमाण्डू, २ अखारः नेपाल रत्न तथा आभूषण सङ्घ हीरा तथा बहुमूल्य पत्थरमे मूल्यअभिवृद्धि कर (भ्याट) आ सोनामे विलासिता कर लगेलासँ व्यवसाय प्रभावित भ रहल कहैत पुनर्विचार करबाक लेल सरकारक ध्यानाकर्षण करौलक अइछ।
सङ्घ आइ एत पत्रकार सम्मेलन क अगिला वर्षके बजेटमे हीरा तथा बहुमूल्य पत्थरमे भ्याट आ सोनामे दू प्रतिशत विलासिता कर लगाएल जेबाक व्यवस्था कएलासँ ताहिमे हमरासभके व्यवसाय बन्द भ सकै छै तँए पुनर्विचार होबाक लेल जरुरी भेल उल्लेख कएलैन । सङ्घके अध्यक्ष सुमनमान ताम्राकार सुनचाँदी तथा रत्नके आभूषणमे कर लगेलासँ करिब तीन खर्ब ५० अरब टका लगानी कएने २५ हजार व्यवसायी मात्र प्रभावित नै भ तीन लाख कालिगढ आ तकर आश्रित व्यक्तिसभ सेहो समेत समस्या ग्रस्त भेलासँ पुनर्विचार करबाक लेल आग्रह कएलैन ।
सोनाचानी तथा रत्न आभूषण व्यवसायीसँ राज्यकेँ वार्षिक २० अरब टका राजस्वमे योगदान दैत आएल जानकारी दैत अध्यक्ष शाक्य करके चोटसँ हमरासभकेँ मुक्त करबाक लेल आग्रह कएलैन ।
प्रतिक्रिया