logo
  • २०८२ आश्विन ७ | Tue, 23 Sep 2025
  • मधेश प्रदेशमे ‘हेल्लो सिएम’ कार्यक्रम घोषणा

    मधेश प्रदेशमे ‘हेल्लो सिएम’ कार्यक्रम घोषणा

    जनकपुरधाम। मधेश प्रदेशमे सुशासन कायम करबाक उद्देश्यसँ प्रदेश सरकार जनतासङे प्रत्यक्ष संवाद करए लेल ‘हेल्लो सिएम’ अर्थात् हेल्लो मुख्यमन्त्री विशेष कार्यक्रम सार्वजनिक केलक अइछ ।

    प्रदेश सरकारद्वारा अगिला आर्थिक वर्ष २)८२र८३ क लेल आनल नीति तथा कार्यक्रममे ओइ कार्यक्रम समावेश कएल गेल अइछ । योजनाअन्तर्गत जनता अपन शिकायत, सुझाव तथा समस्याकेँ मुख्यमन्त्री कार्यालयमे प्रत्यक्ष पेश करबाक कहल गेल छै ।

    एहि लेल टेलिफोन, सामाजिक सञ्जाल तथा डिजिटल प्लेटफर्ममार्फत सिधा सम्पर्क क सकत । सएह अनुसार प्रदेश सरकार विशेष सूचना प्रणालीमार्फत शिकायत ‘टिपोट ट्रयाकिङ’ तथा समाधान प्रक्रिया अनलाइन ‘ड्यासबोर्ड’मार्फत सञ्चालन कएल जाएबला जनौलक अइछ । हेल्लो सिएम कार्यक्रमकेँ सरकार शिकायत सुनैबला माध्यममे सीमित नै क समाधान आ समाधानमुखी बनेबाक जनौलक अइछ ।

    समस्याकेँ गम्भीरतापूर्वक सम्बोधन करैत नीति निर्माण प्रक्रियामे सेहो जनताके प्रत्यक्ष सहभागिता सुनिश्चित कएल जाएबला मधेश प्रदेश मुख्यमन्त्री सिंहके कहब अइछ । एहि कार्यक्रमकेँ समावेशी, पारदर्शी तथा टिकाउ शासनके आधारस्तम्भके रुपमे विकास कएल जेबाक ओ बतौलैन ।

    एहिना, सङ्घीय सरकारअन्तर्गत शिकायत सुनुवाइ लेल ‘हेल्लो सरकार’के व्यवस्था अइछ । तत्कालीन प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराईके समयमे प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद्के कार्यालय मातहत रहबाक हिसाबे एकर घोषणा कएने छल ।रासस

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ जेष्ठ २६, सोमबार २०:४५
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP