logo
  • २०८२ फाल्गुन १२ | Tue, 24 Feb 2026
  • महोत्तरी–२ के मतदाताके रोष–बर्खामे डुवान आ जाढ़मे पाइनक हाहाकार

    महोत्तरी–२ के मतदाताके रोष–बर्खामे डुवान आ जाढ़मे पाइनक हाहाकार

    महोत्तरी। प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचन लगचिएलाक बाद महोत्तरी–२ मे सेहो चुनावी चहलपहल सुरु भेल अइछ । घरआँगन, टोल बस्तीमे आएल उम्मेदवार आ दलक नेता कार्यकर्ताकेँ अइ ठामक मतदाता समस्या सुनाबएसँ बेसी असन्तुष्टि व्यक्त क रहल अइछ ।

    “हमरासभक बस्ती नदीके कारण समस्यामे छै । बर्खामे नदीमे आबैबला बाइढ़क कारण बस्ती आ खेत जोखिममे पड़ैत छै”, भङ्गाहा–६ हतिसर्वा मजराके ५५ वर्षक सुरेश सर्दार कहलैन । नदी नियन्त्रणक लेल पक्की तटबन्ध आ नहरके बाँध नै बनलासँ प्रत्येक साल हमरासभ दुःख भोइग रहल छी से हुनक कहब छलैन । विगतमे ठाम–ठाममे कटान आ डुबान रोकबाक लेल तटबन्ध निर्माण कएलाक बादो ओइसँ समस्या समाधान नै भेल अइछ ।

    अइ ठामक नागरिक चुनावमे भोट माँगए आएल उम्मेदवारसमक्ष अपन रोष सुनाइब रहल अइछ । अइ क्षेत्र होइत बहैबला रातु नदीके ताण्डवसँ जिलाक सात स्थानीय तहके नागरिक प्रभावित होइत आएल अइछ । एकर दीर्घकालीन समाधान नै भेलासँ समस्या यथावत रहल बलवा–११ भगवतीपुरके मरनी माझी मुसहरके कहब छैन । “बर्खा सुरु भेलाक बाद घर बाइढ़सँ दहाएत की से डर रहैत छै”, माझी कहलैन ।

    निर्वाचनमे उम्मेदवार आ दलक कार्यकर्ताके चहलपहल बढ़लाक बाद चुनावी सरगर्मी सेहाे बढ़ल अइछ । जिलाके पूर्वी मध्यभेगके अइ क्षेत्रमे बिग्ही, रातु, मरहा आ ओक्सीसहितक नदी पीड़ित समूह मुख्य समस्या बर्खामे कटान आ डुवान एवं जाढ़क समयमे पाइनक अभाव भेल बतबैत अइछ ।

    जिलाके मध्यभेगके भङ्गाहा नगरपालिका–१, २, ६, ७ आ ८, बलवा नगरपालिकाके–११, मध्यपूर्वी भेगके लोहारपट्टी नगरपालिकाके–९, महोत्तरी गाउँपालिकाके–६, औरही नगरपालिकाके–७, ८ आ ९, पिपरा–६ आ एकडारा गाउँपालिकाके–६ नम्बर वाड महोत्तरी–२ मे पड़ैत अइछ । अइ ठामक नागरिकके मुख्य पेसा खेती भेलाक बादो सिँचाइके उचित प्रबन्ध नै भेलासँ बर्खाके पाइनक भरमे खेती करबाक बाध्यता अइछ । मुदा, बर्खामे बाइढ़सँ घरबस्ती डुबान होबाक त्रास अइ ठामक नागरिकमे अइछ ।

    “हमसभ दुःखमे छी । खेतमे सिँचाइके प्रबन्ध नै छै । बर्खामे बाइढ़क कारण नीकसँ अन्न नै जाेगाइब सकतै छी”, महोत्तरी गाउँपालिका–६ गोरीगमाके ४५ वर्षक भोला महतो कहलैन, “चुनाव तँ हाेइते रहैत छै । मुदा, हमरासभक दुःख जेहने के तेहने छै ।”

    अइ क्षेत्रमे बर्खाक समयमे बाइढ़सँ कटान/डुबान होबाक आ जाढ़क समयमे पाइनक हाहाकार होइत अइछ । जाढ़क अन्तदिस सिँचाइके लेल मात्रे नै भ पिबैबला पाइनक सेहो हाहाकार होइत अइछ से ओइ ठामक नागरिकके कहब छैन । सरकारद्वारा खेतीपातीके लेल सिँचाइ सुविधा, समयमे बीया, मलखाद आ सुलभ कृषि कर्जाके व्यवस्था सङे बाइढ़सँ जोगेबाक लेल पक्की बाँध (तटबन्ध) के प्रबन्ध करबाक चाही से अपेक्षा ई समस्या भोगैत आएल अइ ठामक नागरिकके रहल लोहारपट्टी–१ के राम सागर यादवके कहब छैन ।

    आसन्न निर्वाचनक लेल अइ ठाम १५ राजनीतिक दल आ स्वतन्त्र २२ गोटेसहित जमा ३७ गोटे उम्मेदवार चुनावी मैदानमे छैथ । चुनाव प्रचार–प्रसारक क्रममे अइ क्षेत्रके नागरिकसँ अइ तरहक समस्या राखबाक क्रम जारी रहल से नेकपा (संयुक्त) सँ उम्मेदवार इदरिस मोमिनके कहब छैन । “योजनाबद्ध तरिकासँ काज नै भेलासँ जनताक रोष आओर बढ़ल छै । आब हमरासभ सझिया सङ्कल्पसँ ई समस्या समाधान करब”, ओ कहलैन ।

    महोत्तरी–२ मे जसपा नेपाल, नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी, राप्रपा नेपाल, नेपाल मजदुर किसान पार्टी, प्रगतिशील लोकतान्त्रिक पार्टी, उज्यालो नेपाल पार्टी, नेकपा (एमाले), नेपाली कांग्रेस आ राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी, जनादेश पार्टी नेपाल, राष्ट्र निर्माण दल, जनमत पार्टी, श्रम संस्कृति पार्टी, मङ्गोल नेशनल अर्गनाइजेसन आ नेकपा संयुक्तके उम्मेदवार दलगत प्रतिस्पर्धामे अइछ । तहिना, २२ गोटे स्वतन्त्र उम्मेदवार सेहो प्रतिस्पर्धामे छैथ । अइ क्षेत्रमे एक लाख सात हजार ५ सओ ९४ मतदाता अइछ ।

    तहिना, ६२ मतदानस्थलमे १ सओ ३३ मतदान केन्द्रके व्यवस्था कएल गेल जिलाके मुख्य निर्वाचन अधिकृत माधव प्रसाद अधिकारी बतौलैन । निर्वाचन अभियान आगु बढ़लाक बाद एकरा स्वच्छ आ भयरहित सम्पन्न करबाक लेल सुरक्षा व्यवस्था सुदृढ़ कएल गेल जिलाक प्रमुख जिला अधिकारी इन्द्रदेव यादव बतौलैन।रासस

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ माघ १८, आईतवार २३:२२
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP