logo
  • २०८२ पुष ४ | Fri, 19 Dec 2025
  • जसपाद्वारा उमेदवारक नाम सिफारिस करबाक लेल सर्कुलर

    जसपाद्वारा उमेदवारक नाम सिफारिस करबाक लेल सर्कुलर

    काठमाण्डू, २८ अगहनः जनता समाजवादी पार्टी, (जसपा) नेपाल अइगला प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक लेल उमेदवारक नाम सिफारिस करए मातहतके समितिमे सर्कुलर जारी केलक अइछ ।

    संसदीय निर्वाचन क्षेत्र समवंय समिति अइगला पुस १० गते भीतर जिला समितिमे आ जिला समिति आवश्यक निर्णयके सङे पुस १५ गते भीतर प्रदेश समितिमे उमेदवारक नाम पठाइब सकत तथा पार्टी प्रदेश समिति जिला समितिसँ प्राप्त नामावलीपर निर्णय क पुस २० गते भीतर प्रत्येक निर्वाचन क्षेत्रसँ कम्तीमे तीन गोटेधैर अनिवार्य रुपसँ संभावित उमेदवारक नामावली पठेबाक लेल मातहत समितिकेँ सर्कुलर जारी कएल गेल पार्टीके प्रचारप्रसार तथा प्रकाशन विभाग प्रमुख पूर्ण बस्नेत जानकारी देलैन ।

    हुनक कहब अनुसार केन्द्रीय कार्यालय या पार्टी अध्यक्ष उपेन्द्र यादव संयोजकत्वके सङ्घीय संसदीय बोर्डमे उमेदवारक नामावली पठेबाक लेल सर्कुलर जारी कएल गेल अइछ ।

    समानुपातिकदिस प्रत्येक जिलासँ जिला समितिके कम्तीमे तीन गोटे पुरूष आ तीन गोटे महिलाके जातीय कलस्टरअनुसार समावेशी होएजँका प्रदेश समितिमे इएह पुस १ गते भीतर पठेबाक लेल आ प्रदेश समिति उक्त नामावलीपर बातचित क अपन रायसहित उमेदवारक नाम सिफारिस क पुस ५ गते भीतर केन्द्रीय कार्यालय या संसदीय बोर्डमे बुझाइब सकत ।

    कोनो कारणबस निर्धारण कएल गेल समय भीतर प्रतिनिधि सभा निर्वाचनक लेल प्रत्यक्ष/समानुपातिकदिसक उमेदवारके नाम केन्द्रीय कार्यालय या सङ्घीय संसदीय बोर्डकेँ प्राप्त नै भेल तँ संसदीय बोर्ड उमेदवारक मनोनयन क कार्यावंयन क सकत से सर्कुलर जारी भेल बस्नेत बतौलैन ।

    ओ कहलैन, “पार्टी विधानके धारा–११७ उपधारा (३) बमोजिम योग्यता पूरा कएने कोनो सङ्गठित पार्टी सदस्य प्रत्यक्षदिस या समानुपातिकदिस उमेदवार होबाक लेल इच्छुक अइछ, तँ सोझे केन्द्रीय कार्यालय या सङ्घीय संसदीय बोर्डमे उमेदवार होबाक लेल आवेदन द सकत । अइ तरहे आएल आवेदनपर सङ्घीय संसदीय बोर्ड सम्बन्धित जिला आ प्रदेश समितिसँ राय परामर्श क आवश्यक निर्णय ल सकत ।”

    सङ्घीय संसदीय बोर्डमे नाम पठौलापर निर्वाचन क्षेत्र समवंय समिति, जिला समिति आ प्रदेश समिति कएने निर्णय, बैसारक निर्णय पुस्तिकाके प्रतिलिपि सेहो संलग्न क पठाबए पड़त तथा उमेदवारक अन्तिम निर्णय सङ्घीय संसदीय बोर्डद्वारा कएल जाएत से पार्टी जनौलक अइछ ।रासस

     

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ मंसिर २८, आईतवार १९:२०
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    ताजा अपडेट
    TOP