विज्ञापन

काठमाण्डू। निर्वाचन आयोग हिमाली तथा उच्च हिमाली क्षेत्रमे मतपत्रसहितके सामग्री ढुवानीक लेल विभिन्न १३ व्यवसायीक संस्था सूचीकरण केलक अइछ ।
अगिला फागुन २१ गतेक लेल तय भेल प्रतिनिधिसभा सदस्य निर्वाचनक लेल आवश्यक निर्वाचन सामग्री, मतपत्र तथा अन्य अत्यावश्यक सामग्री ढुवानीक लेल कुरियर सेवादिस दू टा फर्म छनौट केलक अइछ ।
आयोगक अनुसार, छनाैट भेल व्यवसायीक फर्ममे साझा कुरियर एण्ड कार्गो आ ट्रान्स एयर इन्टरनेशनल लजिष्टिक प्रालि अइछ । आयोग हेलिकोप्टर सेवादिस सेहो फर्म वा कम्पनीकेँ सूचीकृत होबाक लेल आग्रह कएलोपर कोनो फर्म दर्ता नै भेल छै ।
तहिना, ट्रक तथा कन्टेनर सेवा उपलब्ध करेबाक लेल ११ टा फर्म सूचीकरण भेल अइछ । जाहिमे दर्ता भेल सेवा प्रदायकमे हिमालयन कार्गो लजिष्टिक, वासुकी ट्रान्सपोर्ट, चितवन रोडवेज क्यारियर, न्यू भैरव ट्रान्सपोर्ट, अदिति ट्रान्सपोर्ट छै ।
एहिना, ओम ट्रान्सपोर्ट, हरहर महादेव ढुवानी सेवा, देउती बज्यै कन्स्ट्रक्सन एण्ड सप्लायर्स प्रालि, कृष्ण ट्रान्सपोर्ट, धवलागिरि कालिका कन्स्ट्रक्सन एण्ड सप्लायर्स आ एयर मनकामना कुरियर एण्ड कार्गो प्रालि सूचीकृत भेल छै ।
आयोग बितल पुस १७ गतेके सार्वजनिक सूचनाक आधारमे प्राप्त भेल निवेदनकेँ निर्धारित शर्त आ बार्षिक औसत कारोबारके आधारमे मूल्याङ्कन क उक्त सेवाप्रदायक फर्मकेँ सूचीकृत कएल गेल जानकारी देल गेल अइछ । उक्त सेवाप्रदायक संस्थाकेँ आयोग निर्वाचन सामग्री आपूर्तिक लेल परिचालन करत ।रासस
विज्ञापन

प्रतिक्रिया