राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)
काठमाण्डू : प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली स्वदेशमे उद्यमशीलता आ रोजगार सृजनाक दिशामे लागल युवासभक सङ सरकार सदिखन रहबाक, ताहिसँ ओसभ उच्च मनोबल आ आत्मविश्वासक सङ काज करबाक बतौलैन अइछ।
बागबजार स्थित ‘आइडिया स्टुडियो’द्वारा आयोजित ‘नवप्रवर्तक युवासँ प्रधानमन्त्री’ कार्यक्रममे सहभागी भ प्रधानमन्त्री ओली स्मरण करौलैन जे जहिया ओ पहिल बेर प्रधानमन्त्री बनल रहैथ, तखन शिक्षामे जनशक्ति प्रक्षेपण नीति निर्माणक लेल अध्ययन कराएल गेल छल। ओ कहलैन जे अगिला आर्थिक वर्षक बजेटमे ‘जेन्जी’ पुस्ता आ ‘स्टार्टअप’ कार्यक्रमसभकेँ विशेष महत्व देल गेल अइछ।
प्रधानमन्त्री कहलैन, “युवासभकेँ जे एखन छै, ताहिमे संतोष माइन क नै रहू। नीक परिवर्तनक लेल, नीक भविष्यक लेल लागल रहनाइ स्वभावमे होबाक चाही। असंतोषक मतलब सोशल मिडियामे अनियंत्रित बोलैबला प्रवृत्ति नै छियै, एहन कएनिहार प्रायः पारिवारिक तनावमे पइड़ जाइत छै। युवासभकेँ नोकरी ताकैके नै, नोकरी सृजना करबाक दिशामे बढ़बाक चाही। उद्यमशीलता, रोजगार, बजारीकरण आ नवाचारक माध्यमसँ स्वदेशमे अवसर देखेबाक प्रयास होबाक चाही, जाहिसँ विदेश पलायनकेँ रोकल जा सकए।”
प्रधानमन्त्री ओली नवप्रवर्तन आ रचनात्मकतामे युवाक निरन्तरतापर जोड़ दैत कहलैन जे सुरंगमार्ग, जलमार्ग जकाँ पूर्वाधार विकास जारी अइछ, आ सरकार तथा सब क्षेत्रसँ मिलल प्रयाससँ देशमे समृद्धि प्राप्त हएत ।
एहि अवसरमे प्रधानमन्त्री ओली ‘आइडिया स्टुडियो’द्वारा प्रवर्धन कएल गेल स्वदेशमे उत्पादित वस्तु आ नव आविष्कारके प्रदर्शनी सेहो अवलोकन कएलैन।
‘आइडिया स्टुडियो’क संस्थापक डा. छिरिङ लामे आ काठमाण्डू मोडेल कलेजक अध्यक्ष रामेश्वर अर्याल प्रधानमन्त्रीकेँ नवप्रवर्तनक दिशामे भ रहल प्रयास आ उपलब्धिक सम्बन्धमे जानकारी देलैन।
प्रतिक्रिया