रसुवा, २८ जेठः दश वर्षमे रसुवागढीसँ चीनमे उत्पादित विद्युतीय सवारीसाधनके आयात १४ हजार ५०० संख्याकेँ पार कएलक अइछ । विद्युतीय सवारीके आयात बढ़ैत गेलाक बाद टिमुरे, घट्टेखोला, रसुवागढी क्षेत्रमे उक्त वाहन रूकल अइछ । आयातकर्ता भन्सार प्रक्रिया पूरा नै कएलासँ बेसी सङ्ख्यामे उक्त सवारीसाधन रूकल अइछ । रसुवा भन्सार कार्यालयक सूचना अधिकारी रवीन्द्र प्याकुरेलके अनुसार दू हजार ५७० सवारीसाधनके भन्सार जाँचपास भ चुकल अइछ । काठमाण्डूदिस प्रस्थान क चुकल अइछ । चीनसँ सवारीसाधनके अतिरिक्त जुत्ता, चप्पल, तैयारी कपड़ा, रबर, विद्युतीय उपकरणके सङे कृषि उत्पादन सेहो आयात भ रहल अइछ ।
प्रतिक्रिया