काठमाण्डू, २९ जेठ: नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) निकट छात्र संगठन अखिल नेपाल राष्ट्रिय स्वतन्त्र विद्यार्थी युनियन (अनेरास्ववियु)के नव नेतृत्वक चयन लेल आइ मतदान भ रहल अइछ। महाधिवेशन अध्यक्ष मण्डलक सदस्य माधव ढुङ्गेल जानकारी दैत कहलैन “मतदानक कार्यतालिका भोर ८ बजेसँ ल क दुपहर ४ बजेधैर तय कएल गेल अइछ। मतदान इलेक्ट्रोनिक मेसिनसँ होएत।” हुनकर कहब अनुसार बुधदिन उम्मेदवारसभके अन्तिम नामावली सार्वजनिक कएल गेल आ इलेक्ट्रोनिक मेसिनमे उम्मेदवारीसँ सम्बन्धित नाम राखबाक कार्य सम्पन्न भ चुकल अइछ। २४म राष्ट्रिय महाधिवेशनमे नव नेतृत्वक लेल प्रकाश पौडेल आ डा. सुजन कडरियाद्वारा उम्मेदवारी देल गेल अइछ। खुला उपाध्यक्ष पद लेल विकास श्रेष्ठ, राज कुमार ढकाल, भरतसिंह धामी, धर्मेन्द्र केसी, आ गणेशबहादुर शाही उम्मेदवार छैथ। एहि तरहें, महिला उपाध्यक्ष पद लेल सुजिता धिताल, अञ्जना सिवाकोटी, भवानी बजगाईं आ आरती भट्टराई उम्मेदवारी देने छैथ। महासचिव पद लेल आरके रोमश, दीपक धामी आ सुनिल कँडेलद्वारा उम्मेदवारी देल गेल अइछ। अनेरास्ववियुक निवर्तमान अध्यक्ष समिक बडाल कहलैन “मतदान प्रक्रियामे तीव्रता आनबाक आ कागजक मतपत्रसँ होएबला झंझट हटेबाक लेल ईलेक्ट्रोनिक मेसिनक प्रयोग करब निर्णय कएल गेल अइछ।” राम–लक्ष्मण इनोभेसनके सञ्चालक लक्ष्मण रिमाल जानकारी देलैन जे निर्वाचनमे ४३ टा मेसिन प्रयोग कएल जाएत। महाधिवेशनमे करिब १,५४३ टा प्रतिनिधि मतदान करत। हाल विभिन्न पदसभमे ५१९ टा उम्मेदवार रहितो, एक प्रतिनिधिकेँ मतदान करयमे कमसँ कम १५सँ २० मिनट समय लागत, कहल गेल अइछ। अनेरास्ववियु इतिहासमे ई पहिल मौका छी जखन ३२ वर्षक उमेर सिमाक आधारपर निर्वाचन भ रहल अइछ। महाधिवेशन एहि २५ जेठसँ आरम्भ भेल अइछ।रासस
प्रतिक्रिया