logo
  • २०८२ पुष ४ | Fri, 19 Dec 2025
  • फास्ट ट्रयाक’सँ कमला नदीपर नव पुल बनाएब: मन्त्री दाहाल

    फास्ट ट्रयाक’सँ कमला नदीपर नव पुल बनाएब: मन्त्री दाहाल

    काठमाण्डू, ५ अखारः भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात मन्त्री देवेन्द्र दाहाल धनुषा आ सिरहाकेँ जोड़ैबला कमला नदीपर नव पुल निर्माण करबाक प्रक्रिया आगू बढ़ाएल जाएत । आइ राष्ट्रीयसभाक बैसारमे मन्त्रालयसँ सम्बन्धित मौखिक प्रश्नक उत्तर दैत मन्त्री दाहाल कहलैन जे कमला नदीपर नव पुल निर्माणक लेल ठिक्का प्रक्रिया प्रारम्भ करबाक तैयारी अइछ। ओ कहलैन “मधेशक ‘लाइफलाइन’ मानल जाएबला हुलाकी सड़क अन्तर्गतक कमला नदीक पुल निर्माणक जिम्मे प्राप्त कएल लुम्बिनी बिल्डर्स संगक ठिक्का तोड़ी, नव ठिक्का प्रक्रिया सुरू होएत। ओ स्पष्ट रूपसँ कहलैन, “निर्धारित समयमे निर्माण पूरा नै भेल, तें आब नव निर्माण कम्पनीकेँ जिमा देब। नव मूल्याङ्कन क किए नै हो, पुल निर्माण आब फास्ट ट्रयाकसँ होएत।” मन्त्री दाहाल कहलैन जे निर्माण कम्पनी आ बीमा कम्पनीक बीच चइल रहल अदालती प्रक्रियाक कारण काज ठप्प अइछ। ओ कहलैन, “एखन पुल बनाबैमे तीन गुणा बेसी खर्च आइब सकै छै। हम अन्तिम बेर आग्रह कएलाैँ, जँ ओ निर्माण नै करै छै तँ ठिक्का तोइड़ क कारबाही क ब्लाकलिस्टमे राखबाक प्रक्रिया सुरू कएल गेल अइछ।” ओ कहलैन जे महाकाली नदीपर सेहो २०७४ सालमे तीन वर्षक भीतर पुल बनेबाक सम्झौता भेल रहितो आइधैर काज सुरू नै भ सकल अइछ। एहि परियोजनामे संलग्न निर्माण कम्पनी सङे सेहो सम्झौता तोड़बाक निर्णय भ चुकल अइछ।

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ असार ५, बिहीबार २०:२५
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    ताजा अपडेट
    TOP