वीरगञ्ज (पर्सा), ९ अखारः चालू आर्थिक वर्षक ११ महिनामे वीरगञ्ज नाकासँ कुल १५ अरब ९२ करोड़ मूल्यक इन्धनसँ चलैबला छोटनम्हरका सवारीसाधनसभ आयात कएल गेल अइछ।
वीरगञ्ज भन्सार कार्यालयक प्रमुख भन्सार प्रशासक दीपक लामिछानेक अनुसार, एहि अवधिमे अन एसेम्बल्ड मोटरसाइकलसँ ल क क्रेन लहरीधैर कुल ५९ हजार ४७४ सवारीसाधन देशमे भित्राएल गेल अइछ। एहि इन्धन सवारीसभसँ मात्रे १५ अरब ३८ करोड़ टकाके राजस्व सङ्कलन कएल गेल अइछ।
ओहि ११ महिनाके अवधिमे पाँच अरब ७८ करोड़ मूल्यक ४४ हजार ४४० टका अनएसेम्बल्ड मोटरसाइकल आयात भ चुकल अइछ, जाहिसँ सरकारकेँ पाँच अरब ५१ करोड़ टका राजस्व प्राप्त भेल अइछ। तहिना, दू अरब ६३ करोड़ मूल्यक एक हजार ३०७ टा बस आ ट्रकके चेसिस सेहो आयात कएल गेल अइछ।
एहि अवधिमे एक अरब ८० करोड़ मूल्यक ८३९ टा इन्धनसँ चलैबला जिप, कार आ भ्यान समेत आयात भेल अइछ। तहिना, एक अरब १६ करोड़क ५ हजारके २२० टा ट्रैक्टर आ ट्रेलर, एक अरब २ करोड़के ३७४ टा बस, आ ६७ करोड़के १३१ टा कङ्क्रिट मिश्रण लहरी सेहो वीरगञ्ज नाकासँ आनल गेल अइछ।
एहि सङे ६६ करोड़ मूल्यके २७६ टा ट्रक आ मिनीट्रक सेहो आनल गेल अइछ। ओहि अवधिमे ३९ करोड़ मूल्यक ४ हजार १६० टा तैयारी मोटरसाइकल सेहो आयात भेल अइछ।
विद्युतीय सवारीसाधनक प्रसंगमे, चालू वर्षक ११ महिनामे एक अरब ८४ करोड़ २३ लाख मूल्यक छोटक नम्हरका २ हजार ३८५ टा विद्युतीय सवारीसाधन आयात भेल अइछ, जाहिसँ कुल एक अरब ८४ करोड़ २७ लाख राजस्व सङ्कलन भेल अइछ।
समग्रमे, चालू आर्थिक वर्षक ११ महिनामे सवारीसाधन आ तिनकर पार्टपुर्जासभक आयातसँ कुल १७ अरब ७० करोड़ राजस्व सरकारद्वारा सङ्कलन कएल गेल अइछ।रासस
प्रतिक्रिया