सिरहा, ९ अखारः सिरहाक गोलबजार नगरपालिका–१३ स्थित दुर्गापुर डङ्गराहामे आइ भोर सिँचाइ लेल प्रयोग कएल गेल विद्युत् करेन्ट लागलासँ एक वृद्धक मृत्यु भ गेल अइछ।
स्थानीय ६२ वर्षीय रामपृत पण्डित अपने धानक खेतमे सिँचाइ करबाक क्रममे करेन्ट लागलासँ मृ गेल जानकारी वाडध्यक्ष नन्द कुमार महतो देलैन। हुनका अनुसार पण्डित भोर चाय पी क खेत गेल छल आ सिँचाइ सुरू करबाक क्रममे विद्युत्क तार उचित तरिकासँ नै जोडलासँ करेन्ट लागल प्रारम्भिक अनुमान अइछ।
इलाका प्रहरी कार्यालय, गोलबजारक प्रमुख प्रहरी निरीक्षक गोविन्द साहक अनुसार प्रहरी घटनास्थलपर मुचुल्का तैयार क रहल आ मृतकक शव उठेबाक प्रक्रिया चइल रहल अइछ।
वाडध्यक्ष महतो कहलैन जे वितल सालो ओइ गाममे सिँचाइ करबाक क्रममे करेन्ट लेल एक गोटे मरल छल। ओ कहलैन जे ग्रामीण क्षेत्रमे विद्युत् सुरक्षासँ जुड़ल जानकारीक अभाव अइछ, जाहि कारण पम्प चलाबैत वा मर्मत करैत समय सावधानी नै बरतल जाइछै, नङ्गा तार झापल नै जाइछै, आ ‘प्लग’ जमिनपर राखल जाइछ, जाहिसँ विशेष क बरसातके मौसममे अकाल मृत्युकेँ जोखिम बइढ़ जाइछै।
घटनाक बाद विद्युत् सुरक्षाप्रति चेतनामूलक कार्यक्रम चलेबाक आवश्यकता देखल गेल अइछ। स्थानीयवासीसभ सरोकारवाला निकायसँ एहि दिशामे तत्काल धीयान देबाक मांग कएल छैथ। रासस
प्रतिक्रिया