सिरहा, २३ अखारः लहान नगरपालिका तीन साल पहिनेसँ सञ्चालन करैत आएल ‘परसाैती तथा गर्भवती पोषण प्याकेज कार्यक्रम’ एखन प्रभावकारी रूपमे आगू बइढ़ रहल अइछ ।
नगरपालिकाक २४ टा वाडमे ‘रोटेसन’के आधारमे प्रत्येक महिनाके २२ गते गर्भवती तथा परसाैतीकेँ पोषण प्याकेज वितरण करैत आएल अइछ । रैवदिन वाड नं २२ मे आयोजित कार्यक्रममे नगरप्रमुख महेशप्रसाद चौधरी ४५ व्यक्तिकेँ पोषण प्याकेज हस्तान्तरण कएलैन । हुनका अनुसार ई कार्यक्रम बितल स्थानीय तहके निर्वाचनपहिने जनतासङे कएल गेल प्रतिबद्धता अनुसार सुरू भेल अइछ ।
“परसाैती अवस्थामे पोषणयुक्त आहारक कमीके कारण बच्चाके पोषणमे गम्भीर असर होइछै, जे भविष्यक लेल खतरा होइ छै। ओ कहलैथ, “एखन ई कार्यक्रम जनस्तरमे बहुते बढ़िया प्रभाव छै, तँए अगिला दिनमे आओर प्रभावकारी बनाबैत जाएब।”
“पहिने गर्भवती आ परसाैतीसभ स्वास्थ्य संस्थामे नियमित जाँच नै कराबैत छलै,” ओ कहलैथ, “आब पोषण प्याकेज प्रक्रियामे नियमित स्वास्थ्य जाँच अनिवार्य भेलासँ स्वास्थ्य संस्थामे आइब रहल छैथ।”
नगरपालिकाके स्वास्थ्य शाखाकी कर्मचारी रीता यादवके अनुसार ई कार्यक्रम मातृ तथा शिशु स्वास्थ्यमे सकारात्मक असर कएने अइछ । पोषण प्याकेजमे चाउर, दाइल, नून, तेल, चना, मोटर, सोयाबिनसहित खाद्य सामग्री समावेश कएल गेल अइछ ।
‘बर्थिङ सेन्टर’ सञ्चालनमे होएत
कार्यक्रमकेँ सम्बोधन करैत नगरप्रमुख चौधरी इएह वाडके तरेगनामे इएह सालसँ ‘बर्थिङ सेन्टर’ सञ्चालनमे करबाक जानकारी देलैन । नगरपालिकाके स्वास्थ्य शाखा एहि सम्बन्धमे आवश्यक सब प्रक्रिया पूरा भ गेल अइछ ।
लहान नगरपालिकाके दुर्गम क्षेत्र तरेगनामे सञ्चालन होएबला ई बर्थिङ केन्द्रसँ स्थानीय महिलासभकेँ सुरक्षित आ सहज प्रसूति सेवा उपलब्ध होबाक अपेक्षा कएल गेल अइछ । लहान नगर प्रमुख महेशप्रसाद चौधरीक अनुसार, वर्षायाममे सड़क अवरुद्ध भेलासँ गर्भवती समयमे अस्पताल नै पहुँच सकैत छैथ, तँए ई केन्द्रसँ आब स्थायी समाधान देल जाएत । एहिमे एमविवि एस डक्टरसहितके सेवा हएत ।” हुनका अनुसार केन्द्र सञ्चालनक लेल आवश्यक पूर्वाधार निर्माण, जनशक्ति व्यवस्थापन आ उपकरण तैयारी अवस्थामे छै ।
प्रतिक्रिया